Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

48म वाहिनी सशस्त्र सीमाबल केलक साइकिल रैली आयोजित

Avatar
By Samadiya Mithila
August 31, 2026 2 Min Read
0

 

 

जयनगर, समदिया

 

राष्ट्रीय खेल दिवस आ महान हॉकी खेलाड़ी मेजर ध्यानचंदक जयंतीक अवसर पर आइ 48म वाहिनी सशस्त्र सीमा बल, जयनगर द्वारा जन-जागरूकता आ खेल भावना कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं साइकिल रैलीक आयोजन कएल गेल। साइकिल रैली मे वाहिनीक कमांडेंट राजेंद्र कुमार, द्वितीय कमान अधिकारी हरेंद्र सिंह, उप कमांडेंट हरि नारायण जाट, उप कमांडेंट विमल गुप्ता, सहायक कमांडेंट नरेंद्र कुमार सिंह, अधीनस्थ अधिकारीगण आ वाहिनीक सभ कार्मिक उत्साहपूर्वक भाग लेलनि।

साइकिल रैलीक शुभारंभ वाहिनी मुख्यालय, जयनगर सं कएल गेल। रैली नेपाली रेलवे क्रॉसिंग होइत पटना गद्दी चौक, रेलवे स्टेशन रोड, शहीद चौक, जयनगर बाजार, वाटरवे चौक, एनएच-227 आ पावर हाउस होइत पुनः वाहिनी मुख्यालय पहुंचि कए संपन्न भेल। रैलीक दौरान कार्मिक द्वारा राष्ट्रीय खेल दिवस, खेलक महत्व आ स्वस्थ जीवनशैलीक प्रति आम लोक कें जागरूक कएल गेल। एहि अवसर पर खेल कें दैनिक जीवनक हिस्सा बनेबाक, युवा सभ कें खेलक प्रति प्रेरित करबाक आ समाज मे खेल भावना कें बढ़ावा देबाक संदेश देल गेल। रैलीक दौरान विभिन्न प्रेरणादायक नारा सं आम लोक कें खेलब तं खिलब, स्वस्थ भारत–सशक्त भारत, नशा सं दूर रहू, खेल सं जुड़ू आ खेल कें जीवनक हिस्सा बनाउ जेहन संदेश देल गेल। एहि अवसर पर कमांडेंट राजेंद्र कुमार अपन संबोधन मे कहलनि जे राष्ट्रीय खेल दिवस मात्र एक दिन मनयबाक अवसर धरि सीमित नहि अछि, बल्कि ई प्रत्येक व्यक्ति कें स्वस्थ आ सक्रिय जीवनशैली अपनयबाक आ खेल कें अपन दैनिक जीवनक अभिन्न हिस्सा बनेबाक लेल प्रेरित करबाक अवसर अछि। ओ कहलनि जे खेल सं शारीरिक स्वास्थ्यक संग-संग अनुशासन, आत्मविश्वास, नेतृत्व क्षमता, धैर्य, टीम भावना आ आपसी समन्वयक विकास होइत अछि। ओ वाहिनीक जवान आ आम लोक सं खेलक प्रति सकारात्मक दृष्टिकोण अपनयबाक तथा बच्चा आ युवा सभ कें खेलक लेल प्रोत्साहित करबाक आह्वान कएलनि।

 

कमांडेंट महोदय महान हॉकी खेलाड़ी मेजर ध्यानचंद कें श्रद्धापूर्वक नमन करैत कहलनि जे हुनकर जीवन आ खेलक प्रति समर्पण देशक प्रत्येक युवाक लेल प्रेरणास्रोत अछि। हुनकर आदर्श सं प्रेरणा लैत हमरा सभ कें मेहनत, अनुशासन आ निरंतर अभ्यासक माध्यम सं अपन लक्ष्य दिस आगू बढ़ैत रहबाक चाही। साइकिल रैलीक माध्यम सं 48म वाहिनी सशस्त्र सीमा बल द्वारा स्वस्थ जीवन, खेल भावना, अनुशासन आ जन-जागरूकताक संदेश जनमानस धरि पहुंचाओल गेल। वाहिनीक अधिकारी आ कार्मिकक उत्साहपूर्ण सहभागिता तथा आम लोकक सहयोग सं साइकिल रैलीक आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न भेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MadhubaniNews#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सुपौल मे 25 घर कोसी मे बहल, बेगूसराय-भागलपुर-मुंगेर मे हजारो लोक प्रभावित

Next

जर्जर भवनक कारण प्राथमिक विद्यालय इस्लामपुर सं झंझारपुर भेल शिफ्ट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech