Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

Avatar
By Samadiya Mithila
October 27, 2026 2 Min Read
0

 

  • आय सं अधिक संपत्ति मामिला मे कएल गेल कारबाइ

 

पूर्वी चंपारण, समदिया

आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक मामिला मे आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू), पटनाक टीम मंगलदिन केसरिया नगर पंचायतक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रजनीश कुमार पाठक उर्फ रिंकू पाठकक 6 ठाम एकहि संग छापामारी कयलक। रिंकू पाठक वर्तमान मे वार्ड पार्षद छथि आ नगर पंचायतक मुख्य पार्षद किरण देवीक पति छथि।

छापामारीक नेतृत्व ईओयू केर एएसपी परमिंदर भारती कए रहल छलाह। टीम मे 4 डीएसपी सहित कुल 32 अधिकारी शामिल छलाह। ईओयू सूत्रक अनुसार, रजनीश पाठक आ हुनकर पत्नी किरण देवी पर आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप अछि। एहि मामिला मे आर्थिक अपराध थाना कांड संख्या 29/26 अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज अछि।

प्रारंभिक जांच मे दंपत्तिक ज्ञात आयक तुलना मे करीब 3 करोड़ 56 लाख 65 हजार 118 टाकाक बेसी संपत्तिक साक्ष्य भेटबाक बात कहल गेल अछि। ई राशि ज्ञात आय सं करीब 124.81 प्रतिशत बेसी बताओल गेल अछि। भ्रष्टाचार निवारण अधिनियम, 1988 (संशोधित 2018) अंतर्गत कारबाइ कयल जा रहल अछि।

केसरिया सं दानापुर धरि तलाशी

ईओयू टीम केसरिया बाजार स्थित निजी आवास, युवराज गैस एजेंसीक कार्यालय आ गोदाम तथा नगर पंचायत भवन स्थित मुख्य पार्षद कार्यालय मे तलाशी लेलक। पटनाक दानापुर स्थित बालाजी नगरक पार्क वेस्ट अपार्टमेंटक फ्लैट बी-101 सहित अन्य ठामो जांच कयल गेल। अधिकारी सभ दस्तावेज आ संपत्ति सं जुड़ल पेपरक जांच करैत रहलाह। तलाशी मे की-की भेटल, एकर आधिकारिक जानकारी एखन नहि देल गेल अछि।

ओमहर, रिंकू पाठक छापामारी कें विरोधी सभक षडयंत्र बतौलनि। हुनकर कहब छनि जे अधिकारी हुनकर ओतय सं 2 लाख टाका नगद आ किछु जमीनक पेपर लए गेलाह। हुनकर अनुसार, ई टाका गैस गोदामक छल। जांच पूरा भेलाक बादे मामिलाक स्थिति स्पष्ट होयत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech