Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही

Avatar
By Samadiya Mithila
October 27, 2026 2 Min Read
0

 

  • 29 सं 31 अक्टूबर धरि भारी बरखा आ वज्रपातक चेतावनी

 

समस्तीपुर, समदिया

बंगालक खाड़ी मे सक्रिय चक्रवाती बीहाड़ि अर्नबक प्रभाव सं उत्तर बिहारक मौसिम मे एक बेर फेर पैघ बदलाव होयबाक आशंका अछि। डॉ. राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय, पूसाक ग्रामीण कृषि मौसम सेवा आ भारतीय मौसम विज्ञान विभाग (आइएमडी) द्वारा जारी संयुक्त पूर्वानुमानक अनुसार, 28 अक्टूबर सं 1 नवंबर 2026 धरि क्षेत्रक मौसम बिगड़ि सकैत अछि। एहि अवधि मे मिथिलाक विभिन्न जिला सभ मे तेज हवा, मेघगर्जन, वज्रपात आ भारी बरखा होयबाक प्रबल आशंका जताओल गेल अछि।

मौसम विभागक चेतावनीक अनुसार, 29 सं 31 अक्टूबर धरि उत्तर बिहारक अधिकांश भाग मे हल्का सं मध्यम बरखा होयत। ओतहि 30 आ 31 अक्टूबर लेल समस्तीपुर, सिवान, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, सीतामढ़ी, वैशाली, गोपालगंज तथा पूर्वी आ पश्चिमी चंपारण मे भारी वर्षाक चेतावनी जारी कयल गेल अछि। पूर्वानुमानक अवधि मे अधिकतम तापमान 29 सं 35 डिग्री आ न्यूनतम तापमान 16 सं 22 डिग्री सेल्सियस रहबाक अनुमान अछि। एहि दौरान दक्षिण-पूर्वी आ दक्षिण-पश्चिमी दिशा दिस सं 15 सं 25 किलोमीटर प्रति घंटाक गति सं तेज हवा चलि सकैत अछि।

खेत मे काटल फसिल कें लए किसान चिंतित

चक्रवाती तूफानक चेतावनी सं किसान सभक चिंता बढ़ि गेल अछि। एखन धान आ मकइक कटनी जोर-शोर सं चलि रहल अछि। एहन परिस्थिति मे बरखा आ तेज हवा सं फसिलक पैघ क्षति होयबाक आशंका अछि। कृषि वैज्ञानिक सभ किसान कें सलाह देने छथि जे जे किसान धान अथवा खरीफक कटनी कए लेने छथि, ओ फसिल कें तुरंत खेत सं हटा कए सुरक्षित आ सुखायल जगह पर राखथि। खुला मे राखल उपज कें तिरपाल सं नीक जकां झांपि देथि। अनाजक भंडारण करबाक पहिने ओकरा नीक जकां सुखा लेथि, जाहि सं नमीक कारण अनाज खराब नहि हो।

कटनी आ बोआइ टारबाक सलाह

मौसिमक प्रतिकूल स्थिति कें देखैत कृषि वैज्ञानिक सभ पकल फसिलक कटनी आ रबी फसल, जेना सरिसों, आलू आ रबी बोआइ अखन टारबाक सलाह देने छथि। संगहि खेत मे कीटनाशक आ खादक छिड़काव तथा पटेबाक काज स्थगित रखबाक अपील कयल गेल अछि। जाहि खेत मे पानि भरबाक आशंका अछि, ओतय जलनिकासक व्यवस्था करबाक सलाह देल गेल अछि, जाहि सं फसिल खसबाक आ अनाज खराब होयबाक आशंका कम कयल जा सकय। किसान सभ कें मौसिमक पूर्वानुमान पर नजरि रखैत सावधानी बरतबाक आवश्यकता अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी

Next

मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बाढ़ि प्रभावित किसान कें प्रति हेक्टेयर भेटत 18 हजार टाका  : सीएम
  • मधुबनी मे 30 हजार टाका घूस लैत ट्रैफिक डीएसपी पकड़ल गेला
  • मिथिला मे चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’मचा सकैत अछि तबाही
  • केसरियाक पूर्व मुख्य पार्षद आ भाजपा नेता रिंकू पाठकक 6 स्थान ईओयूक छापामारी
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech