- 22 जिलाक डीएम कें जमीनक आकलन करबाक देल गेल निर्देश
पटना, समदिया
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बिहारक बाढ़ि प्रभावित किसान सभक लेल पैघ घोषणा कयलनि अछि। बाढ़िक पानि उतरि गेलाक बाद खेत सभ मे जमा बालू, रेत आ गादि हटेबाक लेल सरकार किसान सभ कें आर्थिक सहायता देत। एहि योजनाक लाभ पटना सहित राज्यक 22 जिलाक बाढ़ि प्रभावित किसान आ मत्स्य पालन क्षेत्र सभ कें भेटत। मुख्यमंत्री सोमदिन सोशल मीडिया एक्स पर पोस्ट कए एहि निर्णयक जानकारी देलनि। एहि पहलक मुख्य उद्देश्य बाढ़ि सं प्रभावित किसान सभक जमीन कें फेर खेती योग्य बनेबा मे सहायता देब अछि।
मुख्यमंत्री कहलनि जे एहि प्रावधान अंतर्गत पात्र किसान कें प्रति हेक्टेयर 18 हजार टाका सहायता देल जायत। संगहि, प्रत्येक पात्र किसान कें कम-सं-कम 2200 टाकाक सहायता राशि देबाक प्रावधान अछि। एहि राशि सं खेत मे जमा बालू, रेत आ गादि हटेबाक खर्च मे किसान सभ कें मदति भेटत। एहि पहल सं किसान अपन जमीन कें अगिला फसिल लेल फेर तैयार कए सकताह।
मुख्यमंत्रीक निर्देश पर आपदा प्रबंधन विभाग संबंधित 22 जिलाक जिलाधिकारी सभ कें प्रभावित कृषि योग्य जमीन आ मत्स्य पालन क्षेत्रक स्थलीय जांच करयबाक निर्देश देने अछि। जांचक क्रम मे जमीन पर जमा बालू, रेत आ गादिक मात्रा आ जमावक आकलन कयल जायत। एहि आकलनक आधार पर जिला प्रशासन कें एसडीआरएफ अथवा एनडीआरएफक निर्धारित सहायता मानकक अनुसार राशि उपलब्ध करेबाक लेल मांग करय पड़त।
उल्लेखनीय अछि जे एहि वर्ष गंगा, सोन, गंडक आ कोसी सहित आन नदी सभ मे आयल बाढ़िक पानि उतरबाक बाद खेत सभ मे बालू, रेत आ गादि जमा होयबाक समस्या सोझां आयल अछि। एहि कारण जमीन कें फेर खेती योग्य बनेबा मे किसान सभ कें अतिरिक्त खर्च करय पड़ि सकैत अछि।
लाखो किसान सभ मे जागल उम्मीद
सरकार प्रत्येक वर्ष बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक किसान सभ कें कृषि इनपुट अनुदान दैत अछि। एहि वर्षो अनुदान बांटल गेल अछि। मुदा, कृषि इनपुट अनुदान ओहि किसान सभ कें भेटैत अछि, जिनकर फसिल बाढ़ि सं नष्ट अथवा क्षतिग्रस्त भेल हो। जिनका खेत मे बालू अथवा गाद जमा भए जाइत अछि, हुनका सभ कें एहि मद मे सहायता नहि भेटैत छलनि। आब नव प्रावधान सं एहन किसान सभ मे सेहो आशा जगल अछि।
पटना, भोजपुर, सारण, वैशाली, भागलपुर, बेगूसराय, बक्सर, समस्तीपुर, मुंगेर, कटिहार, लखीसराय, खगड़िया, पूर्णिया, मधेपुरा, अरवल, पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, गोपालगंज, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, सुपौल आ सहरसा जिलाक बाढ़ि प्रभावित कृषि योग्य जमीन आ मत्स्य पालन क्षेत्रक आकलन कयल जायत।