बाबूबरही लूटक घटना 24 घंटाक भीतर उद्भेदन, चारि अपराधी गिरफ्तार
- 3 देसी कट्टा, 3 जिंदा कारतूस, 2 मोटरसाइकिल, 2.5 किलो गांजा आ 2.36 लाख रुपैया बरामद
मधुबनी, समदिया
बाबूबरही थाना क्षेत्र मे भेल लूटक घटनाक पुलिस 24 घंटाक भीतर सफलतापूर्वक उद्भेदन करैत चारि अभियुक्त कें गिरफ्तार कए लेलक अछि। गिरफ्तार अभियुक्त सभक लग सं 3टा अवैध देसी कट्टा, 3टा जिंदा कारतूस, 2टा मोटरसाइकिल, 2.5 किलो गांजा आ 2 लाख 36 हजार रुपैया नगद बरामद कएल गेल अछि। जानकारीक अनुसार 1 अक्टूबर कें बाबूबरही थानाध्यक्ष कें तिरहुता निवासी रामवृक्ष साहु, पिता स्व. सूर्यनारायण साहुक लिखित आवेदन भेटल छल। आवेदन मे कहल गेल छल जे हुनकर लग सं 3 लाख 40 हजार रुपैया नगद, 2टा मोबाइल फोन आ 1टा मोटरसाइकिल छीनि लेल गेल। आवेदनक आधार पर बाबूबरही थाना कांड संख्या 528/26, दिनांक 01.10.2026, धारा 309(4) बीएनएस केर अंतर्गत मामिला दर्ज कए विधिसम्मत कारबाइ शुरू कएल गेल। घटनाक संवेदनशीलता कें देखैत वरीय पुलिस अधीक्षक, मधुबनीक निर्देश पर लूटक घटना मे शामिल अभियुक्तक गिरफ्तारी आ लूटल सामानक बरामदगी लेल अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी, सदर-02 केर नेतृत्व मे विशेष टीम गठित कएल गेल। टीम मे अंचल पुलिस निरीक्षक, खजौली आ बाबूबरही थानाध्यक्ष कें शामिल कएल गेल। गठित टीम अनुसंधानक क्रम मे जिला मे स्थापित तकनीकी टीमक सहयोग सं आसूचना संकलन केलक। तकनीकी आ मानवीय पहलूक आधार पर कएल गेल अनुसंधानक बाद घटना मे संलिप्त चारि अपराधीक ठिकान पर विधिवत छापामारी कए सभ कें गिरफ्तार कएल गेल। गिरफ्तार अभियुक्तक पहचान राजकुमार मंडल, करण साफी, विजय कुमार राम आ दीपक सरहान, सभ जिला मधुबनी निवासीक रूप मे कएल गेल अछि। हुनका सभक लग सं 3टा अवैध देसी कट्टा, 3टा जिंदा कारतूस, 2टा मोटरसाइकिल, 2.5 किलोग्राम गांजा आ 2 लाख 36 हजार रुपैया नगद बरामद भेल अछि। अवैध हथियार आ गांजा बरामदगीक संबंध मे बाबूबरही थाना कांड संख्या 529/26, कें मामिला दर्ज कएल गेल अछि। मामिला मे आगांक विधिसम्मत कारबाइ जारी अछि।