आइआरसीटीसी मामिला : ईडी तय नहि कए सकल आरोप, सुनवाइ टरल
- लालू-राबड़ी-तेजस्वी राउज एवेन्यू कोर्ट पहुंचलाह, आब 30 अक्टूबर कें होयत अगिला सुनवाइ
पटना, समदिया
राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव, हुनकर पत्नी आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी तथा पुत्र तेजस्वी यादव दिल्लीक राउज एवेन्यू कोर्ट पहुंचलाह। आइ आइआरसीटीसी होटल घोटाला आ मनी लॉन्ड्रिंग मामिलाक महत्वपूर्ण सुनवाइ होयबाक छल, मुदा सुनवाइ टलि गेल। आब मामिलाक अगिला सुनवाइ 30 अक्टूबर कें होयत।
लालू-राबड़ी आ तेजस्वी सहित कुल 9 आरोपी कोर्ट मे व्यक्तिगत रूप सं उपस्थित भेलाह। लालू प्रसाद यादवक अधिवक्ता वरुण जैन कहलनि जे अदालत आरोप तय करबाक आदेश दए चुकल अछि। औपचारिक रूप सं आरोप तय करबाक प्रक्रिया आइ होयबाक छल। मुदा आदेश मे कहल गेल अछि जे पछिला अदालत आरोप तय कए एहि अदालत कें पठायत। एहि कानूनी प्रक्रियाक संबंध मे प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) सं स्पष्टीकरण मांगल गेल अछि। ईडी 30 अक्टूबर कें अपन स्थिति स्पष्ट करत।
अधिवक्ता कहलनि जे बेमारीक आधार पर लालू प्रसाद यादव कें व्यक्तिगत पेशी सं छूट देबाक आग्रह अदालत स्वीकार कए लेने अछि। प्रक्रिया 30 अक्टूबर कें पूरा भेल तं ओ ओहि दिन उपस्थित हेताह, नहि तं अगिला दिन पेश हेताह। उल्लेखनीय अछि जे 10 सितंबर 2026 कें राउज एवेन्यू कोर्ट लालू, तेजस्वी, राबड़ी सहित 9 लोकक विरुद्ध आरोप तय करबाक आदेश देने छल, जखन कि 7 आरोपी कें बरी कए देल गेल छल। एहि मामिला मे ईडी 16 लोकक विरुद्ध आरोपपत्र दाखिल केने छल।