मिथिला पेंटिंग संस्थान मे गुरु वंदना छात्र सम्मान कार्यक्रम
- गुरुजन आ मेधावी छात्र सभ सम्मानित
मधुबनी, समदिया
चित्राक्षर संस्थाक संस्थापिका डॉ. अरुणा झा कोलकाता सं आबि कएलनि सम्मान समारोह, मिथिलाक्षर लेखन पर आधारित दूटा पेंटिंग संस्थान कें समर्पित मिथिला चित्रकला संस्थानक सभागार मे संस्थानक दिस सं एक भव्य कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर चित्राक्षर संस्थाक संस्थापिका डॉ. अरुणा झा कोलकाता सं आबि शिक्षक दिवसक शुभ अवसर पर चित्राक्षरक दिस सं गुरुवंदन छात्र अभिनंदन कार्यक्रम आयोजित कएलनि। कार्यक्रमक अंतर्गत पांच गुरुजन आ पांच मेधावी छात्र कें सम्मानित कएल गेल। एहि अवसर पर चित्राक्षरक दिस सं मिथिला चित्रकला संस्थानक मिथिलाक्षर लेखन पर आधारित चित्राक्षर कलाकार डॉ. छाया आ कल्पना मधुकर द्वारा निर्मित दूटा पेंटिंग संस्थानक निदेशक चंद्रशेखर प्रसाद सिंह कें समर्पित कएल गेल। पेंटिंग समर्पित करबाक अवसर पर आयकर आयुक्त राकेश झा आ चित्राक्षर संस्थाक संस्थापिका डॉ. अरुणा झा उपस्थित छलथि। कार्यक्रमक दौरान डॉ. अरुणा झा डॉ. जयमंत मिश्रक जन्मशत वार्षिकी अंतर्गत श्रीकृष्ण जन्माष्टमीक उपलक्ष्य मे हुनक साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित पुस्तक कविता कुसुमांजलिक पदावली राधा वश मन तोर हे माधव पर आधारित मिथिला चित्रकला प्रतियोगिताक घोषणा सेहो कलाकार सभ लेल कएलनि। कार्यक्रम मे मिथिला विभूति आ पद्मश्री विजेता कलाकार श्रीमती बौआ देवी, दुलारी देवी, शिवम पासवान, विनीता, डॉ. इंदिरा झा, श्री प्रभाष चंद्र झा, कौशिक कुमार सहित कतेको विशिष्ट व्यक्तिक गरिमामय उपस्थिति रहल। संस्थाक विभिन्न पदाधिकारीक संग-संग सैकड़ो छात्र आ कलाकार सेहो कार्यक्रम मे उपस्थित छलाह।
कार्यक्रमक मंच संचालन आनंद मोहन कएलनि। एहि अवसर पर गुरुजनक सम्मान आ मेधावी छात्रक अभिनंदन सं सभागार मे उत्साहक वातावरण रहल। कार्यक्रमक माध्यम सं गुरु-शिष्य परंपरा, मिथिलाक्षर आ मिथिला चित्रकलाक संरक्षण एवं संवर्धनक संदेश देल गेल।
===========================================================