तिब्बत मे फेर आयल भूकंप, रिक्टर स्केल पर 5.0 तीव्रता; नेपाल सन बाढ़िक खतरा?
- भूकंपक केंद्र धरती सं लगभग 10 किमी नीचां छल
नई दिल्ली, एजेंसी
तिब्बत मे एक बेर फेर भूकंपक झटका महसूस कयल गेल। रिक्टर स्केल पर भूकंपक तीव्रता 5.0 मापल गेल अछि। जर्मन रिसर्च सेंटर फॉर जियोसाइंसेजक अनुसार, बृहस्पति कें आयल एहि भूकंपक केंद्र धरती सं करीब 10 किलोमीटर नीचां छल। एखन धरि एहि भूकंप सं कोनो प्रकारक क्षतिक सूचना नहि अछि। उल्लेखनीय अछि जे तिब्बत-नेपाल सीमाक्षेत्र मे पिछला सप्ताह आयल भूकंप आ तकर बाद भेल प्रचंड बाढ़ि सं भारी विनाश भेल अछि। नेपाल मे बाढ़िक कारण एखन धरि 1200 सं बेसी लोकक मृत्यु भए चुकल अछि, जखन कि 2000 सं बेसी लोक एखनहुं लापता छथि। किछु रिपोर्ट मे लापता लोकक संख्या 4200 सं बेसी बताओल गेल अछि।
नेपाल-तिब्बत मे राहति-बचाव कार्य जारी
नेपाल आ तिब्बत दुनू दिस राहति आ बचावक काज निरंतर चलि रहल अछि। चीन दिस सं घटनाक्रमक समाचार प्रसारण पर रोक लगाओल गेलाक कारण तिब्बत सं सूचना सीमित रूपें सामने आबि रहल अछि। एहि बीच नेपाल-तिब्बत सीमाक ग्यिरोंग बॉर्डर क्रॉसिंग फेर खोलि देल गेल अछि, जाहि सं बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र मे भारी मशीन आ राहति सामग्री पहुंचेबा मे सुविधा भए रहल अछि। राहति-बचाव अभियानक प्रगति सं सैकड़ो लोकक प्राण समय रहैत बचाओल गेल अछि। मुदा हजारो लोक एखनहुं लापता छथि। बाढ़िक सर्वाधिक प्रभाव नेपाल मे देखल गेल अछि। निचला क्षेत्र सभ मे भारी मात्रा मे मलबा जमा भए गेल अछि, जकर सफाई मे कतेको मास लागि सकैत अछि। भारत, चीन आ नेपाल सहित विभिन्न देशक विशेषज्ञ राहति-बचाव कार्य मे जुटल छथि।