राष्ट्रीय लोक अदालत लेल झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 ई-रिक्शा विदा, गाम गाम होयत प्रचार
- प्रधान जिला न्यायाधीशक निर्देश पर 12 सितंबर कें लागत राष्ट्रीय लोक अदालत
झंझारपुर, समदिया
राष्ट्रीय लोक अदालत कें सफल आ प्रभावकारी बनेबाक लेल झंझारपुर मे जागरूकता अभियान तेज भए गेल अछि। बृहस्पति कें झंझारपुर न्यायालय परिसर सं 3 प्रचार वाहन कें हरियर झंडी देखाक रवाना कएल गेल, जाहि सं लोक अदालतक उपयोगिता सीधे आम लोक धरि पहुंचि सकय। ई प्रचार अभियान प्रधान एवं जिला सत्र न्यायाधीश, मधुबनी पवन पांडेयक निर्देश पर चलाओल गेल। अभियानक शुरुआत जिला एवं अपर सत्र न्यायाधीश प्रथम सह अनुमंडल विधिक सेवा समितिक अध्यक्ष सुशील कुमार दीक्षित केलनि। ओ कहलनि जे लोक अदालत आम जनता लेल सस्ता, सुलभ आ त्वरित न्याय प्राप्त करबाक प्रभावकारी माध्यम अछि। एतय आपसी सहमतिक आधार पर मामिलाक निपटारा कएल जा सकैत अछि, जाहि सं समय आ धन दुनूक बचत होइत अछि। बिहार ग्रामीण बैंक, झंझारपुरक सहयोग सं संचालित 3 ई-रिक्शा प्रचार वाहन अनुमंडल क्षेत्रक विभिन्न गाम, बाजार आ भीड़भाड़वला सार्वजनिक स्थल पर पहुंचि लोक कें राष्ट्रीय लोक अदालतक लाभ, प्रक्रिया आ लंबित मामिलाक शीघ्र निष्पादनक संबंध मे जानकारी देत। ई पहल खास क ग्रामीण आ दूर-दराजक क्षेत्र मे जागरूकता बढ़ेबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभाओत।
एहि अवसर पर एडीजे-3 अनिल कुमार राम, एडीजे-4 नयन कुमार, एसडीजेएम सह अनुमंडल विधिक सेवा समितिक सचिव आनंद राज, एसीजेएम-1 राजू कुमार, एसीजेएम-2 शिखा कुमारी, मुंसिफ सुमित कुमार, न्यायिक पदाधिकारी नफीस कामरान एवं फासीहा नाज आ बैंकक आरएम प्रशांत गौरव सहित अन्य पदाधिकारी उपस्थित छलाह। सभ पदाधिकारी संयुक्त रूप सं प्रचार वाहन कें रवाना करैत लोक सभ सं 12 सितंबर कें आयोजित होमयवला राष्ट्रीय लोक अदालत मे बढ़ि-चढ़ि क भाग लेबाक अपील केलनि।