जोगबनी-दानापुर वंदे भारतक पाटलिपुत्र स्टेशनपर सेहो होयत ठहराव
रेलवे बोर्ड प्रयोगक आधार पर देलक ठहरावक स्वीकृति
सहरसाक यात्रि कें सेहो भेटत लाभ
सहरसा, समदिया
जोगबनी सं दानापुरक बीच चलयवाली जोगबनी-दानापुर वंदे भारत एक्सप्रेस आब पाटलिपुत्र स्टेशनपर सेहो रुकत। रेलवे बोर्ड एहि संबंध मे आदेश जारी करैत ट्रेन संख्या 26301/26302 कें पाटलिपुत्र स्टेशनपर प्रयोगक आधारपर ठहराव देबाक निर्देश देलक अछि। रेलवे बोर्डक आदेशक अनुसार ट्रेन संख्या 26301/26302 जोगबनी-दानापुर वंदे भारत एक्सप्रेसक पाटलिपुत्र स्टेशनपर ठहराव सुविधाजनक तिथि सं प्रभावी होयत। संबंधित रेल अधिकारी सभ कें स्टेशनपर टिकट बिक्रीपर विशेष नजरि रखबाक आ ठहरावक जानकारी व्यापक रूप सं यात्रि सभ धरि पहुंचयबाक निर्देश देल गेल अछि। वर्तमान मे जोगबनी सं ई ट्रेन भोर 3:30 बजे खुलैत अछि आ फारबिसगंज, अररिया कोर्ट, पूर्णिया, बनमनखी, दौरम मधेपुरा होइत भोर 6:10 बजे सहरसा पहुंचैत अछि। सहरसा सं ट्रेन भोर 6:20 बजे खुलि खगड़िया, सलोना, हसनपुर रोड, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर आ हाजीपुर होइत 11:40 बजे दानापुर पहुंचैत अछि।
आब हाजीपुरक बाद दानापुर दिस जाइत समय ट्रेन पाटलिपुत्र स्टेशनपर सेहो ठहरत। एहि ठहराव सं सहरसा, कोसी आ सीमांचल क्षेत्रक यात्रि कें पाटलिपुत्र क्षेत्र धरि पहुंचबा मे अतिरिक्त सुविधा भेटत। वापसी मे दानापुर सं ट्रेन सांझ 5:10 बजे खुलत आ पाटलिपुत्र स्टेशनपर ठहरावक बाद जोगबनी लेल प्रस्थान करत। पाटलिपुत्र स्टेशनपर ठहराव शुरू भेला सं सहरसा सहित कोसी आ सीमांचल क्षेत्रक यात्रि कें पटना शहरक विभिन्न भाग मे आवागमन मे सुविधा भेटबाक उम्मीद अछि। रेलवे बोर्ड संबंधित अधिकारी सभ कें आदेशक अनुपालन सुनिश्चित करैत एकर पुष्टि करबाक निर्देश सेहो देलक अछि।
===========================================================