Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

स्व. सतीश चंद्र मिश्रक जयंती पर ब्राह्मण महासभा कएलक पुष्पांजलि अर्पित

Avatar
By Samadiya Mithila
September 4, 2026 1 Min Read
0

 

502

सहरसा, समदिया

कोसीक धरतीपर अपन कर्म आ व्यक्तित्वक बलपर विशिष्ट पहचान बनेनिहार श्रद्धेय स्वर्गीय सतीश चंद्र मिश्रक जयंतीपर शुक्रदिन ब्राह्मण महासभाक सदस्य सभ पुष्पांजलि अर्पित कए हुनका श्रद्धापूर्वक नमन कएलनि। एहि अवसरपर महासभाक कतेको गणमान्य व्यक्ति आ समाजसेवी उपस्थित छलाह आ हुनकर व्यक्तित्व आ कृतित्व कें स्मरण कएलनि। ब्राह्मण महासभाक अध्यक्ष डब्बू मिश्रा कहलनि जे स्व. सतीश चंद्र मिश्र सर्वसमाज लेल ईश्वर स्वरूप व्यक्ति छलाह। हुनकर जीवन समाजसेवा आ सामाजिक उत्थान लेल समर्पित रहल। महासभाक कोषाध्यक्ष रौशन माधव मिश्रा कहलनि जे हुनकर व्यक्तित्व आ कृतित्वक विषय मे किछु कहब सूर्य कें दीप देखेबाक समान अछि। प्रमंडलीय संयोजक रमन झा कहलनि जे श्रद्धेय सतीश चंद्र मिश्र समाज लेल सदिखन प्रेरणास्रोत बनल रहताह। हुनकर विचार आइयो समाजक लोकक बीच जीवंत अछि। महासभाक अभिभावक मधुकांत झा कहलनि जे समाजक सांस्कृतिक आ आर्थिक विकास मे हुनकर योगदान कें सदिखन स्मरण कएल जाएत। पारस झा आ सुमन समाज कहलनि जे स्व. मिश्र समाजक प्रत्येक वर्गक हित आ अधिकार लेल सदिखन ठाढ़ रहलाह। युवा समाजसेवी सुदीप सुमन स्व. मिश्र सं जुड़ल कतेको संस्मरण साझा कएलनि। उपस्थित लोक कहलनि जे धार्मिक आ सामाजिक उत्थान लेल हुनका द्वारा उठाओल गेल कदम अतुलनीय छल। हुनकर आदर्श आ विचार आगांक पीढ़ी कें सेहो प्रेरणा दैत रहत। एहि अवसरपर प्रभाकरन देव, मधुकांत झा, पारस झा, सुमन समाज, पंकज मिश्रा, मनखुश झा, रौशन चौधरी, राहुल, शिवम, सुशील, रौशन, सुदीप सुमन सहित कतेको लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewssaharsa
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जोगबनी-दानापुर वंदे भारतक पाटलिपुत्र स्टेशनपर सेहो होयत ठहराव

Next

दरभंगाक विकास कार्य मे तेजी आनबाक लेल मुख्यमंत्री सं भेंट केलनि सांसद

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech