Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगाक विकास कार्य मे तेजी आनबाक लेल मुख्यमंत्री सं भेंट केलनि सांसद

Avatar
By Samadiya Mithila
September 4, 2026 2 Min Read
0

 

 

दरभंगा, समदिया

बिहार मे विकास कार्य कें गाम धरि पहुंचाबयक पहल तेज कएल जा रहल अछि। दरभंगा संसदीय क्षेत्रक विकास योजना मे तेजी आनबाक लेल स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डा. गोपाल जी ठाकुर बृहस्पति कें बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सं भेट कए विभिन्न मुद्दापर विस्तार सं चर्चा कएलनि। सांसद मुख्यमंत्रीक समक्ष दरभंगा एयरपोर्टक समीक्षा करबाक आग्रह कएलनि, जाहि सं प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा नवंबर मे प्रस्तावित उद्घाटनक तैयारी मे तेजी आबि सकय। ओ एयरपोर्ट विस्तार, यात्री सुविधा आ संपर्क व्यवस्था कें समयपर पूरा करबाक बात कहलनि। सांसद दरभंगा रिंग रोडक प्रक्रिया तेज करबाक, कुशेश्वरस्थान कें पटना-पूर्णिया एक्सप्रेसवे आ दरभंगा एयरपोर्ट सं जोड़बाक लेल स्पर लिंक विकसित करबाक तथा सुपौल-दरभंगा फोरलेनक निर्माण कार्य मे तेजी आनबाक आग्रह कएलनि। बेनीपुर आ बिरौल मे केंद्रीय विद्यालयक स्थापना लेल आवश्यक भूमि आ राज्यस्तरीय प्रक्रिया शीघ्र पूरा करबाक मांग सेहो कएलनि। ओ दरभंगा शहर मे यातायातक दबाव घटाबय लेल प्रस्तावित एलिवेटेड रोड आ लंबित रेलवे ओवरब्रिजक निर्माण मे तेजी, दरभंगा एम्सक निर्माण कार्य कें गति देबाक तथा रैयाम आ सकरी चीनी मिल कें पुनः चालू करबाक प्रक्रिया तेज करबाक आग्रह कएलनि। सांसद जलजमावक स्थायी समाधान, आधुनिक खेल सुविधा, ग्रामीण क्षेत्र मे औद्योगिक विकास, नमो गार्डन लेल भूमि उपलब्ध कराबय तथा दरभंगा कें मखाना उत्पादन, प्रसंस्करण आ निर्यातक प्रमुख केंद्र बनेबाक दिशा मे पहल करबाक बात कहलनि। मैथिली कें शास्त्रीय भाषाक दर्जा देबाक लेल राज्यक प्रस्ताव शीघ्र केंद्र सरकार कें पठेबाक आग्रह सेहो कएलनि। डा. ठाकुर कहलनि जे दरभंगाक विकासक गति शहर सं गाम, मुहल्ला आ गली धरि पहुंचाबय लेल मुख्यमंत्री सं निर्णायक चर्चा भेल अछि।

=========================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

स्व. सतीश चंद्र मिश्रक जयंती पर ब्राह्मण महासभा कएलक पुष्पांजलि अर्पित

Next

पटना पर दबाव बनौने अछि गंगा, समस्तीपुरक निचला क्षेत्र मे घुसल पानि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech