Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सं खसल लोहाक शटरिंग, नीचां दबि गेल बाइक सवार

Avatar
By Samadiya Mithila
August 11, 2026 2 Min Read
0

दरभंगा। बिहारक दरभंगा शहरक व्यस्ततम कर्पूरी चौक पर सोम दिन सांझ लगभग 4 बजे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान अचानक ऊपर सं पैघ लोहेक शटरिंग सीधा सड़क सं गुजरि रहल एक बाइक सवार पर खसि पड़ल। एहि दुर्घटना मे बाइक सवार युवक गंभीर रूप सं घायल भए गेल।

शटरिंगक वजन एतेक बेसी छल जे युवक ओहि शटरिंगक नीचां दबि गेल। दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पर चीख-पुकार मचि गेल। घटनाक तुरंत बाद आसपासक राहगीर सभ सहायता लेल पहुंचलाह।

लोहेक शटरिंग बहुत भारी होएबाक कारण एकरा हटाबय मे लोक सभकें बहुत कठिनाइ भेल। स्थानीय लोक सभ युवक कें शटरिंग आ बाइकक नीचां सं निकाललनि।

घायल युवक कें तत्काल इलाज लेल नजदीकी अस्पताल पहुंचाओल गेल। एहि घटनाक बाद एलिवेटेड सड़क निर्माण कएनिहार एजेंसीक कार्यशैली आ सुरक्षा व्यवस्थाक ऊपर गंभीर प्रश्न उठि रहल अछि। एतेक भारी लोहेक शटरिंग पर काज चलैत समय नीचां सं गुजरि रहल वाहन सभकें रोकबाक लेल कोनो बैरिकेडिंग नहि कएल गेल छल।

व्यस्त चौक पर निर्माण काज चलला बावजूद नीचां कोनो सुरक्षा जाल नहि लगाओल गेल छल। कोनो चेतावनी बोर्ड अथवा सुरक्षा गार्डक व्यवस्था बिना एतेक संवेदनशील क्षेत्र मे काज कएल जा रहल छल।

प्रत्यक्षदर्शी सभक अनुसार लोहेक एतेक भारी शटरिंग बिना पर्याप्त सुरक्षा व्यवस्थाक ऊपर बांधल गेल छल। जँ समय पर लोक सभ नहि जुटितथि त युवकक जान सेहो जा सकैत छल। स्थानीय लोक सभ एहि कें गंभीर लापरवाही बतौलनि।

उल्लेखनीय अछि जे शहर मे बिना पर्याप्त सुरक्षा इंतजाम आ वैकल्पिक व्यवस्थाक निर्माण काज धड़ल्ले सं चलि रहल अछि, जाहि कारण राहगीर सभक जान निरंतर जोखिम मे पड़ि रहल अछि।

हालहि मे जिला प्रशासन निर्माण काज मे जुटल सभ एजेंसी सभकें सुरक्षा मानकक कड़ाई सं पालन करबाक निर्देश देने छल। मुदा एकरा बावजूद कार्यदायी एजेंसी नीचां सं गुजरि रहल वाहन सभ लेल बैरिकेडिंगक व्यवस्था नहि कएलक आ ने ऊपर कोनो सेफ्टी नेट लगाओलक।

बताओल गेल अछि जे एहि एलिवेटेड सड़क परियोजनाक लागत 1,862 करोड़ रुपैया अछि। एकर लंबाइ 14 किलोमीटर अछि। ई परियोजना दरभंगा जंक्शन सं एकमी/अमास-दरभंगा एक्सप्रेस-वे धरि प्रस्तावित अछि।

घटनाक संबंध मे निर्माण एजेंसीक पदाधिकारी सभ सं संपर्क करबाक प्रयास कएल गेल, मुदा हुनका सभक दिस सं कोनो प्रतिक्रिया नहि भेटल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

एक्सप्रेस-वेएलिवेटेड सड़ककर्पूरी चौकदरभंगा जंक्शनदरभंगा न्यूजदरभंगा समाचारनिर्माण एजेंसीनिर्माण कार्यबाइक सवार घायलबिहार दुर्घटनाबिहार समाचारलोहेक शटरिंगसड़क निर्माण दुर्घटनासड़क परियोजनासुरक्षा मानक
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

241 करोड़ सं विश्वस्तरीय बनत रामनगर आ बेनीपुर आईटीआई

Next

पप्पू यादव कें तत्काल पर्सनल सिक्योरिटी ऑफिसर उपलब्ध करेबाक आदेश

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech