Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

241 करोड़ सं विश्वस्तरीय बनत रामनगर आ बेनीपुर आईटीआई

Avatar
By Samadiya Mithila
August 11, 2026 2 Min Read
0

दरभंगा। मिथिलाक युवासभ लेल रोजगार आ तकनीकी प्रशिक्षणक बाट आब आरो मजबूत होमय जा रहल अछि। केंद्र सरकार पीएम सेतु योजना अंतर्गत दरभंगा कें पैघ सौगात दैत रामनगर आईटीआई आ बेनीपुर सरकारी आईटीआई कें विश्वस्तरीय संस्थानक रूप मे विकसित करबाक स्वीकृति देलक अछि।

दूनू संस्थानक विकास पर 241 करोड़ रुपैयाक व्यय कएल जाएत। रामनगर आईटीआई कें हब आ बेनीपुर आईटीआई कें स्पोकक रूप मे विकसित कएल जाएत। एकरा सं दरभंगाक संगहि संपूर्ण मिथिला क्षेत्र मे कौशल विकास आ रोजगारक अवसर बढ़बाक उम्मीद अछि।

पीएम सेतु योजना अंतर्गत रामनगर आईटीआई कें हब आईटीआईक रूप मे चयनित कएल गेल अछि। एकर माध्यम सं एकरा मिथिला मे कौशल विकासक प्रमुख केंद्रक रूप मे विकसित कएल जाएत।

ओतहि बेनीपुर सरकारी आईटीआई कें स्पोक संस्थानक रूप मे जोड़ल गेल अछि। दूनू संस्थानक बीच प्रशिक्षण आ तकनीकी संसाधनक नीक समन्वय स्थापित कएल जाएत।

सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपालजी ठाकुर बतौलनि जे दूनू संस्थान मे आधुनिक आधारभूत संरचना, अत्याधुनिक प्रयोगशाला आ नवीन तकनीकक सुविधा विकसित कएल जाएत। एहि लेल 162 करोड़ रुपैयाक राशि निर्धारित कएल गेल अछि। संस्थान सभक विकास लेल 121 करोड़ रुपैया तथा उच्चस्तरीय प्रशिक्षण लेल 40 करोड़ रुपैयाक राशि स्वीकृत कएल गेल अछि।

एहि योजना सं युवासभकें उद्योग सभक आवश्यकता अनुरूप तकनीकी प्रशिक्षण भेटत। प्रशिक्षणक बाद रोजगार आ स्वरोजगारक अवसर मे वृद्धि होएबाक संभावना अछि।

मिथिला क्षेत्र सं पैघ संख्या मे युवा रोजगार लेल दोसर राज्य सभ मे पलायन करैत छथि। एहन स्थिति मे स्थानीय स्तर पर बेहतर कौशल प्रशिक्षणक सुविधा रोजगारक नव अवसर खोलि सकैत अछि।

सांसद डॉ. गोपालजी ठाकुर बतौलनि जे ओ केंद्रीय कौशल विकास आ उद्यमिता मंत्री जयंत चौधरी सं भेंट कए दरभंगा कें पीएम सेतु योजना मे शामिल करबाक आ दूनू आईटीआईक विकास लेल राशि स्वीकृत करबाक लेल आभार व्यक्त कएलनि। ओ कहलनि जे एहि योजना सं मिथिलाक युवासभकें आधुनिक तकनीकी प्रशिक्षणक लाभ भेटत।

सांसद कहलनि जे स्वीकृत राशि सं दूनू संस्थान मे विकासक काज शीघ्र शुरू कएल जाएत। अत्याधुनिक प्रशिक्षण सुविधा तैयार भेला पर दरभंगा आ बेनीपुर आईटीआई नव युगक तकनीकी शिक्षा आ प्रशिक्षण देबाक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण भूमिका निभाएत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आईटीआई विकासकेंद्र सरकार योजनाकौशल विकासगोपालजी ठाकुरजयंत चौधरीतकनीकी प्रशिक्षणदरभंगा आईटीआईदरभंगा न्यूजपीएम सेतु योजनाबिहार शिक्षाबेनीपुर आईटीआईमिथिला रोजगारमिथिला समाचाररामनगर आईटीआईरोजगार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ठनका गिरला सं 3 महिला सहित 8 गोटेक मृत्यु : 2 बच्चा सहित 8 झुलसल

Next

दरभंगा मे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सं खसल लोहाक शटरिंग, नीचां दबि गेल बाइक सवार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत
  • सुपौल मे तेज बरखा सं एनएच डूबल, भागलपुर मे क्रूज फंसल
  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत
  • सुपौल मे तेज बरखा सं एनएच डूबल, भागलपुर मे क्रूज फंसल
  • आजुक ई पेपर
  • अनुमंडल अस्पताल मे प्रसवक दौरान नवजातक मृत्यु, परिजन कएलनि घंटो हंगामा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech