बीएनएमयू मे पीजी रिजल्ट मे देरी, छात्र सभक प्रदर्शन
जून मे भेल परीक्षा केर एखन धरि परिणाम नहि, एसटीईटी आवेदन सं वंचित भए सकैत छथि छात्र मधेपुरा। बीएन मंडल विश्वविद्यालय मे पीजी सत्र 2024-26 केर चतुर्थ सेमेस्टरक रिजल्ट जारी नहि होएबा सं नाराज छात्र-छात्रा सभ सोम दिन वीसी कार्यालयक आगू धरना-प्रदर्शन कएलनि।…
241 करोड़ सं विश्वस्तरीय बनत रामनगर आ बेनीपुर आईटीआई
दरभंगा। मिथिलाक युवासभ लेल रोजगार आ तकनीकी प्रशिक्षणक बाट आब आरो मजबूत होमय जा रहल अछि। केंद्र सरकार पीएम सेतु योजना अंतर्गत दरभंगा कें पैघ सौगात दैत रामनगर आईटीआई आ बेनीपुर सरकारी आईटीआई कें विश्वस्तरीय संस्थानक रूप मे विकसित करबाक स्वीकृति देलक अछि।…
बांकीपुर उपचुनावक बाद प्रशांत किशोरक पैघ घोषणा, 10 हजार युवाकें नोकरी दियेबाक वादा
पटना। जन सुराजक सूत्रधार आ बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे नवनिर्वाचित विधायक प्रशांत किशोर मंगल दिन जीतक बाद पहिल बेर क्षेत्रक लोक सभक बीच पहुंचलाह आ आभार सभा सभ मे शामिल भेलाह। एहि दौरान ओ युवासभक रोजगार, शिक्षा, राशन कार्ड आ पेंशनक विषय मे कतेको…
पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले
स्कूल मर्जरक विरुद्ध आइसा-भाकपा-माले मधुबनी मे करत पैघ आंदोलन मधुबनी, समदिया पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण क्षेत्रक सरकारी विद्यालय कें बंद करबाक अथवा एक विद्यालय कें दोसर विद्यालय मे मर्ज करबाक नीतिक विरुद्ध आइसा आ भाकपा-माले…