पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले
- स्कूल मर्जरक विरुद्ध आइसा-भाकपा-माले मधुबनी मे करत पैघ आंदोलन
मधुबनी, समदिया
पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण क्षेत्रक सरकारी विद्यालय कें बंद करबाक अथवा एक विद्यालय कें दोसर विद्यालय मे मर्ज करबाक नीतिक विरुद्ध आइसा आ भाकपा-माले आंदोलन तेज करबाक घोषणा केलक अछि। संगठन कहलनि जे स्कूल मर्जरक नाम पर गामक गरीब, दलित, पिछड़ा आ वंचित वर्गक बच्चा कें हुनकर नजदीकी सरकारी विद्यालय सं दूर करब कोनो कीमत पर स्वीकार नहि कएल जायत। भाकपा-मालेक युवा नेता मयंक कुमार कहलनि जे गरीब बच्चाक पढ़ाइ पर कोनो तरहक हमला बर्दाश्त नहि कएल जायत। स्कूल मर्जरक नीति मात्र विद्यालयक विलयक मामिला नहि अछि, बल्कि ई ग्रामीण बच्चाक शिक्षाक अधिकार आ सरकारी शिक्षा व्यवस्थाक भविष्य सं जुड़ल गंभीर प्रश्न अछि। ओ कहलनि जे जं सरकार आ प्रशासन ग्रामीण विद्यालय कें कमजोर करबाक नीतिपर रोक नहि लगबैत अछि, तं आइसा आ भाकपा-माले मधुबनी जिला मे व्यापक छात्र-जन आंदोलन ठाढ़ करत।
माले जिला कमिटी सदस्य योगनाथ मंडल कहलनि जे पौनी विद्यालय कें लए कए ग्रामीण लोकक आंदोलन पर प्रशासन गंभीरतापूर्वक ध्यान दै आ स्कूल मर्जरक प्रक्रिया पर तत्काल रोक लगाबै। ओ कहलनि जे अधिकारी सभ द्वारा मात्र मापी आ निरीक्षणक नाम पर खानापूर्ति केला सं समस्याक समाधान नहि होयत। ग्रामीण आ अभिभावकसभक संग बैसि कए हुनकर मांगक सम्मानजनक समाधान करए पड़त।
नेता सभ कहलनि जे ग्रामीण क्षेत्रक सरकारी विद्यालय कें बंद अथवा मर्ज करबाक बदला ओतय पर्याप्त शिक्षक, भवन, शौचालय, पुस्तकालय, खेल मैदान आ अन्य आवश्यक सुविधा उपलब्ध कराओल जाय। सरकार कें सरकारी शिक्षा व्यवस्था कें मजबूत करबाक दिशा मे काज करबाक चाही, नहि कि ओकरा धीरे-धीरे कमजोर करबाक। आइसा, आरवाईए आ भाकपा-माले घोषणा केलक जे 20 अगस्त कें दरभंगा मे छात्र संसदक आयोजन कएल जायत। एहि मे ग्रामीण शिक्षा व्यवस्थाक स्थिति, सरकारी विद्यालय कें बचेनाइ, स्कूल मर्जरक नीति आ गरीब बच्चाक शिक्षाक अधिकार सहित अन्य सवाल कें प्रमुखता सं उठाओल जायत। नेता सभ मधुबनी जिला प्रशासन कें चेतावनी दैत कहलनि जे पौनी विद्यालय कें दोसर विद्यालय मे मर्ज करबाक प्रयास तत्काल बंद कएल जाय। ग्रामीण बच्चाक शिक्षा आ हुनकर भविष्यक संग कोनो तरहक समझौता नहि कएल जायत।
ओ कहलनि जे ई लड़ाइ मात्र पौनी विद्यालयक नहि, बल्कि पूरा बिहार मे सरकारी शिक्षा व्यवस्था आ ग्रामीण बच्चाक भविष्य बचाबऽक लड़ाइ अछि। एहि लेल छात्र, अभिभावक, शिक्षक आ आम जनता कें एकजुट कए आंदोलन कें आरो व्यापक बनाओल जायत। आइसा, आरवाईए-भाकपा-मालेक संघर्ष जारी रहत!