Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

दिल्ली सं चलि रहल अछि बिहारक सरकार, मुख्यमंत्री सम्राट छथि रबर स्टांप : तेजस्वी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 8, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • रोहतासक दियारा मे गोलीकांडक पीड़ित परिवार सं भेंट करबा लेल पहुंचलाह नेता प्रतिपक्ष

फोटो : तेजस्वी

पटना, समदिया

रोहतासक दिनारा मे चंदेश्वर चौधरीक हत्या मामिला मे बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक सरकार पर जमि कए हमला कएलनि। तेजस्वी कहलनि जे ओ आइ रोहतासक दिनारा जा कए चंदेश्वर चौधरीक परिजन सं भेंट करताह। पटना सं दिनारा लेल विदा होयबा सं पहिने तेजस्वी आरोप लगौलनि जे बिहार मे कानून-व्यवस्थाक स्थिति पूरा तरहें ध्वस्त भए गेल अछि आ अपराधीक बोलबाला अछि। ओ कहलनि जे पीड़ित परिवार सं भेंट कए राजदक दिस सं आर्थिक सहायता सेहो देल जायत। तेजस्वी कहलनि जे दिनारा मे चंदेश्वर चौधरीक जे निर्मम हत्या भेल, से अत्यंत गंभीर घटना अछि। हुनकर आरोप छल जे मामिलाक आरोपी सभ कें बचेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि। मजदूरीक मंगबा लेल गेल पिछड़ा परिवारक लोकसभक संग माइरपीट कए हुनकर हत्या कएल गेल।

सम्राट सरकार बनलाक बाद अपराध खूब बढ़ल

तेजस्वी कहलनि जे जहिया सं बिहार मे सम्राट चौधरीक सरकार बनल अछि, तहिया सं अपराध खूब बढ़ल अछि। अपराधी गरीब लोक पर अत्याचार कए रहल छथि, जखन कि पुलिस छात्र सभ पर गोली चलबैत अछि। ओ कहलनि जे बिहार मे एहन वातावरण बनाओल जा रहल अछि, जाहि मे आम लोक अपना कें असुरक्षित बुझय लागल छथि। सरकार कानून-व्यवस्था संभारबा मे पूर्णतः विफल साबित भए रहल अछि आ ठाम-ठाम कानून-व्यवस्थाक धज्जी उड़ि रहल अछि।

बिहार मे पुलिसिया शासनक प्रयास

छात्र सभ पर गोली चलाओल गेलाक मुद्दा उठबैत तेजस्वी आरोप लगौलनि जे बिहार मे पुलिसिया शासन कायम करबाक प्रयास भए रहल अछि, जे स्वीकार नहि कएल जायत। ओ कहलनि जे ई लोक सभ बिहार कें बर्बाद कए देने छथि। तेजस्वी सरकारक आर्थिक स्थिति पर सेहो प्रश्न उठौलनि। हुनकर आरोप छल जे बिहार सरकारक खजाना खाली भए गेल अछि आ कर्मचारी सभ कें वेतन देबाक लेल टाका नहि अछि। पेंशन भुगतान कें लए कए सेहो हुनका सरकार पर सवाल उठौलनि।

बिहार सरकारक कामकाज पर हमला करैत तेजस्वी कहलनि जे बिहारक सरकार बिहार सं नहि, बल्कि दिल्ली सं चलि रहल अछि। ओ दावा कएलनि जे राज्य सरकार अपन स्तर पर निर्णय लेबाक स्थिति मे नहि अछि।

ओ कहलनि जे ओ पहिने सेहो कहि चुकल छथि जे भाजपाक कोनो मुख्यमंत्री बनताह तं ओ सिलेक्टेड मुख्यमंत्री होयताह। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें निशाना बनबैत तेजस्वी हुनका रबर स्टांप मुख्यमंत्री कहलनि।

तेजस्वी केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाहक नाम लैत आरोप लगौलनि जे बिहार मे मुख्यमंत्रीक भूमिका मात्र आदेश पर मोहर लगेबा धरि सीमित कए देल गेल अछि। ओ कहलनि जे जतय सं आदेश आयत, मुख्यमंत्री ओहि आदेश पर रबर स्टांप लगा देताह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अमित शाहकानून व्यवस्थाचंदेश्वर चौधरी हत्यातेजस्वी यादवतेजस्वी हमलादिनारा गोलीकांडनेता प्रतिपक्षपुलिसिया शासनबिहार अपराधबिहार न्यूजबिहार राजनीतिबिहार सरकारमुख्यमंत्री सम्राट चौधरीरबर स्टांप मुख्यमंत्रीराजदराजद समाचारराजनीतिक बयानरोहतासरोहतास समाचारविपक्षी राजनीतिसम्राट चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले

Next

शरीर लेल प्रोटीन कियैक जरूरी होइत अछि? बुझू, एकर कमी सं शरीर मे की होइत अछि

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech