Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

पानि आ बिजली संकट सहित 10 सूत्री मांग कें लए कांग्रेस देलक धरना

Avatar
By Samadiya Mithila
August 8, 2026 2 Min Read
0

 

  • धरना मे नेता आ पदाधिकारी सभ पर बरसलाह जिलाध्यक्ष नलिनी रंजन झा

 

बेनीपट्टी, समदिया

कांग्रेस पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता सभ गहराइत पेयजल संकट, नल-जल योजनाक बदहाल स्थिति आ लगातार बिजली कटौती सहित 10 सूत्री मांग लए कए बेनीपट्टी प्रखंड सह अंचल कार्यालय पर एकदिवसीय धरना देलनि। एहि दौरान सरकार आ प्रशासनक विरुद्ध जमि कए नारेबाजी सेहो कएलनि। धरना के संबोधित करैत मधुबनी जिला कांग्रेसक पूर्वी अध्यक्ष नलिनी रंजन झा रूपन कहलनि जे नल-जल योजनाक उद्देश्य प्रत्येक घर धरि स्वच्छ पेयजल पहुंचेनाइ छल, मुदा आइ बेनीपट्टीक जनता पानिक लेल परेशान अछि। सरकार कें स्पष्ट करबाक चाही जे करोड़ो टका खर्च भेलाक बादो नल-जल योजना कतेको ठाम प्रभावी ढंग सं किएक नहि चलि रहल अछि। ओ कहलनि जे स्थानीय वर्तमान विधायक जखन मंत्री छलाह, तखन नल-जल योजनाक जे कार्य कएल गेल, ताहि मे मात्र चोरी आ लीपापोती कएल गेल। एको वार्ड मे योजना ठीक सं संचालित नहि भए रहल अछि। जं शीघ्र बिजली आ पानिक संकट दूर नहि कएल गेल तं कांग्रेस पार्टी सड़क सं सदन धरि आंदोलन तेज करत। कांग्रेस प्रखंड अध्यक्ष कालीसचंद्र झा कन्हैया कहलनि जे बिहार लोक शिकायत निवारण अधिकार अधिनियम, 2015क अंतर्गत हुनका द्वारा दायर लोक शिकायत परिवाद मे सुनवाईक बाद 9 जुलाई 2026कें आखरी विनिश्चय पारित कएल गेल छल। बावजूद एकर जं आइयो जनता पेयजल लेल भटकि रहल अछि, तं ई आदेशक अनुपालन आ प्रशासनिक व्यवस्थापर गंभीर प्रश्न ठाढ़ करैत अछि।

ओ कहलनि, नल सुखायल अछि, जनता प्यासी अछि आ टैंकरक संग सरकारक व्यवस्था फोटो खिचबा मे व्यस्त अछि। जनता कें फोटो नहि, पानि चाही। ओतहि कलुआही प्रखंड कांग्रेस अध्यक्ष सुनील झा सहित उपस्थित कांग्रेस कार्यकर्ता सभ कहलनि जे गाम-गाम मे लोक पेयजल लेल परेशान छथि। पोखर, इनार आ अन्य पारंपरिक जलस्रोतक संरक्षण आ पुनर्जीवनक आवश्यकता अछि। संगहि बिजलीक अनियमित आपूर्तिक कारण नल-जल जेकां बिजली आधारित योजनाक संचालन पर सेहो प्रतिकूल प्रभाव पड़ि रहल अछि।

धरनार्थीक मांग मे लोक शिकायत परिवाद मे पारित आखरी विनिश्चयक तत्काल अनुपालन करेनाइ, नगर पंचायतक सभ वार्ड मे नल-जल योजना पूर्ण क्षमताक संग चालू करेनाइ, प्रखंडक सभ गाम मे नियमित पेयजल आपूर्ति सुनिश्चित करेनाइ, टैंकर सं जलापूर्ति पर भेल खर्च, कार्यादेश आ भुगतानक पारदर्शी जांच करेनाइ, नल-जल योजनाक तकनीकी आ प्रशासनिक कमी कें तत्काल दूर करेनाइ, पोखर, कुआं आ इनार सहित पारंपरिक जलस्रोतक संरक्षण आ पुनर्जीवन करेनाइ, लगातार भए रहल बिजली कटौतीक समस्याक स्थायी समाधान करेनाइ आ पेयजल संकट लेल जिम्मेदार लोकक जवाबदेही तय कए कारबाइ करेनाइ शामिल अछि। धरना मे बैद्यनाथ झा, पूर्व प्रखंड अध्यक्ष कौशल किशोर चौधरी, आलोक पासवान, मोहमद मौसीर, सुधीर झा, मनीष झा, प्रदीप झा मुन्ना, गोविंद झा, विजय कृष्ण झा, सुनील झा, सतीश झा, केशव झा आ सुमित झा सहित अन्य लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

इनार पुनर्जीवनकांग्रेस आंदोलनकांग्रेस धरनाकांग्रेस पार्टीग्रामीण पेयजलजल संकटजलापूर्ति समस्यानल जल घोटाला आरोपनल जल योजना बिहारनल-जल योजनानल-जल व्यवस्थापानि संकटपारंपरिक जलस्रोतपेयजल संकटपोखर संरक्षणप्रखंड कार्यालय धरनाबिजली कटौतीबिजली समस्याबिहार राजनीतिबेनीपट्टीबेनीपट्टी कांग्रेसबेनीपट्टी समाचारमधुबनीमधुबनी समाचारलोक शिकायत निवारण अधिकार अधिनियम
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

‘हर घर तिरंगा’ अभियान लेल जीविका दीदी तैयार करतीह 40 हजार तिरंगा

Next

पीएम श्री योजनाक नाम पर ग्रामीण विद्यालय कें बंद करब बर्दाश्त नहि : भाकपा-माले

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech