Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पप्पू यादव कें तत्काल पर्सनल सिक्योरिटी ऑफिसर उपलब्ध करेबाक आदेश

Avatar
By Samadiya Mithila
August 11, 2026 2 Min Read
0

 

–  सुरक्षा बढ़ेबाक मांग पर दिल्ली हाईकोर्टक फैसला

 

पटना, समदिया

पूर्णिया सांसद पप्पू यादवक सुरक्षा बढ़ेबाक मांगबला याचिका पर मंगलदिन दिल्ली हाईकोर्ट मे सुनवाइ भेल। न्यायालय केंद्र सरकार कें निर्देश देलक जे सांसद कें तत्काल अतिरिक्त पीएसओ (पर्सनल सिक्योरिटी ऑफिसर) उपलब्ध कराओल जाय। संगहि, हुनकर सुरक्षा बढ़ेबाक मांगबला आवेदन पर सेहो विचार करबाक निर्देश देल गेल।

नीट पेपर लीक आ श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक विरुद्ध संसद भवन परिसर मे प्रदर्शनक बाद पप्पू यादव कें जान सं मारबाक धमकी भेटल छल। एकर बाद ओ केंद्रीय गृह मंत्रालय कें सुरक्षा बढ़ेबाक लेल आवेदन देने छलाह। केंद्र सरकारक वकील आशीष दीक्षित न्यायालय कें कहलनि जे गृह मंत्रालय पप्पू यादवक आवेदन पर विचार कए रहल अछि आ तीन सप्ताहक भीतर निर्णय लेल जाएत। एहि पर पप्पू यादवक वकील कहलनि जे जं सांसद कें तत्काल अतिरिक्त सुरक्षा देल जाइत अछि, तं ओ याचिका आगू नहि बढ़ौताह।

दुनू पक्षक दलील सुनलाक बाद हाईकोर्ट आदेश देलक जे सुरक्षा बढ़ेबाक आवेदन पर निर्णय नहि होयबा धरि सरकार पप्पू यादव कें अतिरिक्त पीएसओ उपलब्ध कराओत। एकर संगहि न्यायालय याचिकाक निपटारा कए देलक। पूर्णिया सांसदक कहब अछि जे हुनका भेटल वाई श्रेणीक सुरक्षा एखन बिहार धरि सीमित अछि। एहि कारण दिल्ली अथवा देशक अन्य भाग मे संसदीय कर्तव्य निभेबाक दौरान हुनका पर्याप्त सुरक्षा नहि भेटैत अछि।

पप्पू यादवक अनुसार, 29 जुलाईक बाद हुनकर जानक खतरा बढ़ि गेल। हुनकर आधिकारिक वेबसाइटक माध्यम सं हुनका आ परिवार कें विस्फोट सं उड़ेबाक धमकी भेटल छल। एहि संबंध मे दिल्ली पुलिस मे शिकायत दर्ज कराओल गेल आ देशभरि मे सुरक्षा देबाक लेल गृह मंत्रालय कें आवेदन देल गेल।

हुनकर आरोप अछि जे नई दिल्लीक पंडारा रोड स्थित हुनकर पत्नी आ कांग्रेस राज्यसभा सांसद रंजीता रंजनक सरकारी आवासक बाहर किछु लोक जमा भए हुनका बाहर अनबाक आ जान सं मारबाक धमकी दैत नारा लगौने छल। पप्पू यादव इहो दावा कएलनि जे 3 अगस्त कें नई दिल्ली मे प्रेस वार्ताक दौरान हुनका पर हमला भेल छल। एहि मामिला मे तिलक मार्ग थाना मे एफआईआर दर्ज भेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

गृह मंत्रालयदिल्ली समाचारदिल्ली हाईकोर्टपप्पू यादवपप्पू यादव धमकीपप्पू यादव न्यूजपीएसओ सुरक्षापूर्णिया सांसदबिहार राजनीतिरंजीता रंजनराजनीतिक समाचारवाई श्रेणी सुरक्षासंसद सदस्य सुरक्षासुरक्षा बढ़ोतरीहाईकोर्ट आदेश
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगा मे एलिवेटेड सड़क निर्माणक दौरान ऊपर सं खसल लोहाक शटरिंग, नीचां दबि गेल बाइक सवार

Next

आजुक ईपेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech