सिमरी मे दस दिवसीय इंद्र पूजाक कलश शोभायात्रा संग शुभारंभ
101 कन्या निकाललनि कलश शोभायात्रा, पूरा क्षेत्र भक्तिमय
बिस्फी, समदिया
बिस्फी प्रखंड क्षेत्रक सिमरी गाम मे आयोजित दस दिवसीय इंद्र पूजा बुधदिन कलश शोभायात्राक संग शुभारंभ भेल। पूजा समिति द्वारा 101 कन्याक सहभागिता मे भव्य कलश शोभायात्रा निकालल गेल। पूजा स्थल सं गाज-बाजाक संग निकलल शोभायात्रा सिमरी पछवाली टोल, तेघड़ा होइत पूरा गामक भ्रमण कएलक। एकर बाद ब्रह्मस्थान मे पूजा-अर्चना कए वार्ड 6 स्थित बड़की पोखर पहुंचल। जिला परिषद सदस्य अनिता देवी कन्या सभ कें कलश प्रदान केलनि। जयकारा लगबैत कन्या सभ कलश लए पुनः पूजा स्थल पर पहुंचलनि। तत्पश्चात पंडित कृष्णकांत मिश्रा आ उमानंद झा द्वारा विधिवत मंत्रोच्चारक संग सभ कलश स्थापित कएल गेल। मौका पर समिति अध्यक्ष हुकुमदेव यादव, संरक्षक इंद्रदेव लाल कर्ण, कोषाध्यक्ष अजीत यादव आ उपाध्यक्ष डॉ. जीवेंद्र कुमार जीवन उपस्थित छलाह। बताओल गेल जे सिमरी मे विगत 54 बरख सं इंद्र पूजाक आयोजन होइत आबि रहल अछि। पूजा कें लए सिमरी गाम सहित आसपासक गामक वातावरण भक्तिमय बनल अछि। मौका पर सचिव रामस्वार्थ शर्मा, संयुक्त सचिव ललन मंडल, वरिष्ठ कार्यकर्ता महेश्वर कामत, मीडिया प्रभारी अभिजीत पासवान, पुजारी रामचंद्र साह, समाजसेवी सचिन भारती, उमेश यादव, लालू साह, रंजीत साह, मो. जोहा, संजय गुप्ता, मो. शकील, मल्लिक यादव, सुरेश निराला, रामविलास पासवान, लाल यादव सहित बिस्फी पुलिस प्रशासनक अधिकारी आ सैकड़ो ग्रामीण उपस्थित छलाह।