Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Avatar
By Samadiya Mithila
November 6, 2026 3 Min Read
Comments Off on पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

 

 

  • मनेर थानाध्यक्ष कें सेहो लागल गोली, घायल

  • लगभग 20 मिनट धरि चलल मुठभेड़

 

पटना, समदिया

पटना सं सटल मनेर इलाका मे शुक्रदिन भोर पुलिस आ कुख्यात अपराधी सभक बीच भीषण मुठभेड़ भेल। शेरपुर गंगा घाट लग दुनू दिस सं भेल गोलीबारी मे पुलिस तीन अपराधी कें मारि खसौलक। अपराधी सभक पहिचान राजा शर्मा, बबलू कुमार आ जेपी यादवक रूप मे भेल अछि। पटना एसएसपी कार्तिकेय कुमार शर्मा मुठभेड़क पुष्टि कयलनि। हुनकर अनुसार, पटना एसटीएफ आ स्थानीय पुलिस कें सूचना भेटल छल जे मनेर थाना क्षेत्रक शेरपुर गाम मे किछु अपराधी जमा भेल अछि। ओ सभ कोनो पैघ घटना के अंजाम देबाक तैयारी मे छल। सूचना भेटिते एसटीएफ आ मनेर थानाध्यक्ष रजनीश कुमार पुलिस बलक संग ओतय पहुंचलाह। पुलिस टीम कें देखैत घेरायल बुझि अपराधी सभ गोली चलाबय लगल।

एसएसपी कहलनि जे अपराधी सभ पुलिस टीम पर लगातार गोलीबारी कयलक। जवाब मे पुलिस सेहो गोली चलौलक। करीब 20 मिनट धरि दुनू दिस सं गोली चलैत रहल। एहि मुठभेड़ मे तीन अपराधी गंभीर रूप सं घायल भए गेल। पुलिस ओकरा सभ कें अस्पताल पहुंचेबाक व्यवस्था कयलक, जतय चिकित्सक तीनू कें मृत घोषित कए देलनि।

दुनू दिस सं 43 राउंड गोली चलल

एसएसपीक अनुसार, घटना भोर करीब 4:30 बजे भेल। पुलिस अपन बचाव मे 18 राउंड गोली चलौलक, जखन कि अपराधी सभ दिस सं 24-25 राउंड गोली चलाओल गेल। मुठभेड़क बाद घटनास्थल सं एकटा देसी पिस्तौल आ दूटा देसी कट्टा बरामद कयल गेल अछि। गोलीबारी मे मनेर थानाध्यक्ष रजनीश कुमार सेहो घायल भए गेलाह। हुनकर बांह मे गोली लागि आर-पार भए गेल। हुनका तत्काल इलाज लेल अस्पताल लए जायल गेल। घटनास्थल पर दानापुर डीएसपी-2 अमरेंद्र कुमार झा आ पटना एफएसएलक टीम पहुंचि जांच शुरू कए देलक।

पैक्स अध्यक्ष हत्याकांड मे फरार छल तीनू अपराधी

एसएसपी बतौलनि जे तीनू अपराधीक आपराधिक इतिहास लंबा रहल अछि। ओ सभ मनेर थाना क्षेत्र मे पैक्स अध्यक्ष संजीत कुमार उर्फ भोलू हत्याकांड मे लगातार फरार चलि रहल छल। तीनू पेशेवर शूटरक रूप मे काज करैत छल आ पुलिस कें बहुत दिन सं हुनका सभक तलाश छल।

ई मामिला 19 अक्टूबरक राति मनेरक ब्यापुर मे भेल पैक्स अध्यक्षक हत्या सं जुड़ल अछि। दानापुर एसडीपीओ-2 अमरेंद्र कुमार झा बतौलनि जे पंचायत चुनावक पुरान रंजिश मे अपराधी सभ पैक्स अध्यक्ष संजीत कुमार उर्फ भोलू आ प्रखंड प्रमुखक पति पिंटू कुमार पर अंधाधुंध गोली चलौने छल। एहि हमला मे संजीत कुमारक मृत्यु भए गेल छल, जखन कि पिंटू कुमारक जांघ मे गोली लागल छल। हुनका इलाज लेल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल छल।

बाक्स

मुठभेड़क बाद दानापुर मे हंगामा, पुलिसक गाड़ी क्षतिग्रस्त, पुलिस केलक लाठीचार्ज

 

पटना :  राजधानी पटना लग दानापुर मे मनेर मुठभेड़क बाद भारी हंगामा भेल। मुठभेड़ मे तीन गोटे मारल गेलाक बाद अनुमंडलीय अस्पताल मे जुटल मृतकक परिजन आ स्थानीय लोक पोस्टमार्टम कराबय सं मना कए देलनि। एहि दौरान आक्रोशित लोक पुलिस पर जमि कए पाथरबाजी केलनि, जाहि मे पुलिसक किछु गाड़ी क्षतिग्रस्त भए गेल। स्थिति नियंत्रित करबाक लेल पुलिस लाठीचार्ज कए भीड़ कें अस्पताल परिसर सं बाहर खिहाड़लनि। एहि दौरान पुलिस आ आम लोकक बीच झड़प सेहो भेल। करीब एक दर्जन थाना आ पुलिस लाइन सं भारी संख्या मे पुलिस बल तैनात कयल गेल। पटना सेंट्रल एसपी चंद्र प्रकाश आ दानापुर एसपी अजीत कुमार अस्पताल मे उपस्थित रहलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

शिक्षा विभाग मे घोटाला,  34.11 करोड़ टाकाक बेसी निकासी, एचआरएमएस पोर्टल पर उठल सवाल

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech