Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारविशेष रिपोर्ट

जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार

Avatar
By Samadiya Mithila
November 7, 2026 2 Min Read
0

जहानाबाद, समदिया

जहानाबाद जिला मे स्मैक तस्कर सभक मनोबल एतेक बढ़ि गेल अछि जे ओ कानूनक रक्षक पुलिस जवान कें निशाना बना लेलक। नगर थाना मे तैनात टाइगर मोबाइल जवान धनेश्वर यादवक हत्या कए हुनक शव दरधा नदी मे फेकि देबाक सनसनीखेज मामिला सोझां आएल अछि। घटनाक बाद पूरा पुलिस विभाग मे हड़कंप मचल अछि। पुलिसकर्मी सभक बीच शोकक लहरि दौड़ि गेल अछि।

घटनाक संबंध मे भेटल जानकारीक अनुसार, बृहस्पतिक सांझ जवान धनेश्वर यादव नगर थाना क्षेत्रक एसएस कॉलेज इलाका मे मादक पदार्थक तस्कर सभक विरुद्ध छापेमारी करबाक लेल निकलल छलाह। एहि दौरान रहस्यमय परिस्थिति मे ओ लापता भए गेलाह। हुनका तकबाक लेल पुलिसक कतेको टीम लगातार प्रयास कए रहल छल। अंततः शनिदिन काको थाना क्षेत्रक नदियावां गाम लग दरधा नदी सं हुनकर शव बरामद कयल गेल। मृतक जवान मूल रूप सं आरा जिलाक निवासी छलाह।

घटनाक सूचना भेटिते मगध रेंजक आइजी विकास वैभव, एसपी कोटा किरण कुमार, एएसपी मनोज पांडेय आ एसडीपीओ अनिकेत कुमार द्विवेदी भारी पुलिस बलक संग घटनास्थल पर पहुंचलाह। अधिकारी सभ घटनास्थलक गहनता सं निरीक्षण कयलनि। जांच लेल फॉरेंसिक टीम कें सेहो बजाओल गेल। पुलिस घटनास्थल सं जवानक सरकारी पिस्तौल, मोबाइल फोन आ पर्स बरामद कयलक।

चारि आरोपी गिरफ्तार, पूछताछ जारी

घटनाक संबंध मे एसपी कोटा किरण कुमार बतौलनि जे टाइगर मोबाइल जवानक हत्या कयल गेल अछि। एखन धरि एहि मामिला मे चारि गोटे कें गिरफ्तार कए पूछताछ कयल जा रहल अछि। शव कें पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल अछि। पुलिस पूरा घटनाक गंभीरतापूर्वक जांच कए रहल अछि आ अन्य संभावित आरोपी सभक गिरफ्तारी लेल लगातार छापामारी कयल जा रहल अछि। घटनाक संबंध मे एसपी कहलनि जे टाइगर मोबाइल जवानक हत्याक मामिला मे पुलिस एखन धरि चारि गोटे कें गिरफ्तार कयने अछि। हुनका सभ सं पूछताछ कयल जा रहल अछि। शव पोस्टमार्टम लेल पठाओल गेल अछि आ अन्य आरोपी सभक गिरफ्तारी लेल छापेमारी जारी अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

जहानाबादजहानाबाद अपराध समाचारटाइगर मोबाइल जवानदरधा नदीधनेश्वर यादवपुलिस जवान हत्याबिहार क्राइम न्यूजबिहार पुलिसस्मैक तस्करी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
मिथिलाक दीपावली मे उल्का भ्रमण आ पारंपरिक दीपोत्सव
Previous

मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech