Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

देश भरि मे जिला मुख्यालय पर 29-30 सितंबर कें 24 घंटाक धरना

Avatar
By Samadiya Mithila
September 23, 2026 1 Min Read
0

 

दयानंद झा कहलनि जे भाजपा सरकार पेंशनर्स फेडरेशनक कर्मचारी सभक संग छलावा कए रहल अछि

मधुबनी, समदिया

 

अखिल भारतीय राज्य सरकारी पेंशनर्स फेडरेशनक राष्ट्रीय आह्वान पर बुधदिन बिहार राज्य कर्मचारी महासंघक कार्यालय मे बैसार आयोजित कएल गेल। बैठकक अध्यक्षता मो. इदरीस केलनि। बैसार कें संबोधित करैत सरकारी पेंशनर्सक जिला सचिव दयानंद झा कहलनि जे राज्यक सरकारी पेंशनभोगी, पारिवारिक पेंशनभोगी आ वरिष्ठ नागरिक देश भरि मे मधुबनी सहित सभ जिला अधिकारीक कार्यालयक समक्ष 29-30 सितंबर 2026 कें अपन मांगक समर्थन मे 24 घंटाक धरना देताह। एकर लिखित सूचना संबंधित पदाधिकारी कें देल जा चुकल अछि। ओ कहलनि जे मार्च 2025 मे संसद द्वारा पारित पेंशन नियम वैधिकरण अधिनियम कें वापस लेल जाय। डीएस नकाराक फैसला कें बरकरार रखैत वेतन आयोग मे पेंशन संशोधन सुनिश्चित कएल जाय। आठम सीपीसीक शर्त मे संशोधन, पेंशन मे एकरूपता, पारिवारिक पेंशन योजनाक राशि मे बढ़ोतरी, एनपीएस आ यूपीएस कें समाप्त करबाक मांग सेहो कएल गेल अछि। वरिष्ठ नागरिकक लेल रेलवे आ विमानक टिकट मे 50 प्रतिशत रियायत फेर बहाल करबाक तथा कोरोना काल मे रोकल गेल 18 मासक भुगतान करबाक मांग सेहो शामिल अछि। एहि सभ मांग सहित 12 सूत्री मांगक समर्थन मे जोरदार धरना देल जायत। दयानंद झा मोदी सरकार पर आरोप लगबैत कहलनि जे पेंशनर्स फेडरेशन आ कर्मचारी सभक संग सरकार छलावा कए रहल अछि। बैसार मे पेंशनर्स फेडरेशनक नेता श्याम नारायण सिंह, सूर्यकांत ठाकुर, विक्रम यादव, रामप्रिय पांडे, चंद्रकांत झा, राम प्रसाद, गणपति झा, रामसुंदर पासवान, आनंद चौधरी, रमण प्रसाद सहित अन्य नेता उपस्थित छलाह। सभें धरना कें सफल बनेबाक लेल विस्तारपूर्वक विचार-विमर्श केलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithilaमधुबनी समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

भाजपा जारी कएलक प्रभारी आ सह-प्रभारी सभक सूची, स्मृति ईरानी कें छत्तीसगढ़-हरियाणा

Next

सिमरी मे दस दिवसीय इंद्र पूजाक कलश शोभायात्रा संग शुभारंभ

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech