Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनियाबिहार

भाजपा जारी कएलक प्रभारी आ सह-प्रभारी सभक सूची, स्मृति ईरानी कें छत्तीसगढ़-हरियाणा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 23, 2026 2 Min Read
0

 

 हरीश द्विवेदी कें बिहार-कर्नाटकक जिम्मेदारी

फोटो 704

भाजपा आइ राज्य आ केंद्रशासित प्रदेश सभक प्रभारी आ सह-प्रभारी सभक सूची जारी कएलक। एहि मे उत्तर प्रदेश आ पंजाब जेकां ओ राज्य सेहो शामिल अछि, जतय किछु मास बाद विधानसभा चुनाव होयबाक अछि। उत्तर प्रदेश मे प्रभारीक रूप मे विनोद तावड़े कें जिम्मेदारी देल गेल अछि, जखनकि जगदीश पटेल, मेधा कुलकर्णी, डॉ. प्रदीप वर्मा आ अनंत ओझा कें सह-प्रभारी बनाओल गेल अछि।

पंजाब मे डॉ. सतीश पूनिया कें पैघ जिम्मेदारी

पंजाब मे डॉ. सतीश पूनिया कें प्रभारी आ अलका गुर्जर कें सह-प्रभारी बनाओल गेल अछि। ओतहि राजस्थान मे संजय भाटिया प्रभारी आ कविता पाटीदार तथा कुलजीत चहल सह-प्रभारी बनल छथि।

बैजयंत जय पांडा बनलाह महाराष्ट्रक प्रभारी

महाराष्ट्र मे एकटा प्रभारी आ तीनटा सह-प्रभारी बनाओल गेल छथि। महाराष्ट्र मे प्रभारी पदक जिम्मेदारी बैजयंत जय पांडा कें देल गेल अछि। संगहि अमित मालवीय, सदानंद शेट तनावाडे आ कमलजीत सहरावत कें सह-प्रभारी बनाओल गेल अछि।

 

बिहार मे हरीश द्विवेदी कें प्रभारी बनाओल गेल अछि। ओतहि संगीता यादव आ रोहन गुप्ता कें सह-प्रभारी बनाओल गेल अछि। छत्तीसगढ़ मे स्मृति ईरानी प्रभारीक रूप मे जिम्मेदारी संभारती, जखनकि हुनका संग सह-प्रभारी सिद्धार्थ शंभू नियुक्त कएल गेल छथि। स्मृति ईरानी हरियाणाक प्रभारीक जिम्मेदारी सेहो संभारती।

विनय सहस्त्रबुद्धे दिल्लीक प्रभारी नियुक्त

दिल्ली मे डॉ. विनय सहस्त्रबुद्धे कें प्रभारी बनाओल गेल अछि, जखनकि सह-प्रभारीक रूप मे जामयांग त्सेरिंग नामग्याल आ दर्शनाबेन जरदोश नियुक्त कएल गेल छथि। एकर अतिरिक्त गोवा मे प्रभारीक रूप मे भारती प्रवीण पवार कें जिम्मेदारी देल गेल अछि। अनिल एंटनी गोवाक सह-प्रभारी रहताह।

गजेंद्र पटेल बनलाह झारखंडक प्रभारी

झारखंड मे गजेंद्र पटेल कें प्रभारी बनाओल गेल अछि। संगहि सौरभ सिंह आ निवेदिता सिंह सह-प्रभारी रहताह। कर्नाटकक प्रभारी हरीश द्विवेदी रहताह आ सह-प्रभारीक रूप मे डॉ. कसम वेंकटेश्वरलू कें जिम्मेदारी देल गेल अछि।

लद्दाख मे प्रभारी नियुक्त भेलाह राजकुमार भाटिया

केरल मे प्रभारी एम. नागराजा नियुक्त भेलाह, जखनकि सह-प्रभारी एम. वेंकटेशन बनलाह। ओतहि लद्दाख मे प्रभारी राजकुमार भाटिया आ लक्षद्वीप मे प्रभारी जॉर्ज कुरियन कें नियुक्त कएल गेल अछि।

एकर पहिने हालहि मे कांग्रेस सेहो पंजाबक प्रभारी बदलने छल। ओतय भूपेश बघेलक स्थान पर सचिन पायलट कें जिम्मेदारी देल गेल छल।

 

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताहक मांग पर पटना मे बैंककर्मीक धरना

Next

देश भरि मे जिला मुख्यालय पर 29-30 सितंबर कें 24 घंटाक धरना

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech