पटना, समदिया
बिहार पुलिस अवर सेवा आयोग (बीपीएसएससी) दारोगा बहाली परीक्षा कें लए कए पैघ निर्णय लेने अछि। 1799 पद पर नियुक्तिक लेल 27 मई 2026 कें दू घंटी मे आयोजित मुख्य लिखित परीक्षा रद्द कए देल गेल अछि। आयोग बुधदिन एहि संबंध मे आधिकारिक सूचना जारी केलक। आयोगक अनुसार, परीक्षाक नव तिथिक घोषणा अलग सं कएल जायत। अभ्यर्थी सभ कें परीक्षा सं जुड़ल आधिकारिक जानकारी लेल आयोगक वेबसाइट पर नजरि रखबा लेल कहल गेल अछि।
शीघ्र घोषित होयत नव तिथि
परीक्षा रद्द भेलाक बाद आब 1799 पद लेल अभ्यर्थी सभ कें फेर सं मुख्य लिखित परीक्षा मे शामिल होमय पड़त। आयोग स्पष्ट केलक अछि जे नव परीक्षाक तिथि अलग सं घोषित कएल जायत। एहि बीच सफल घोषित 10,759 अभ्यर्थी सहित परीक्षा मे शामिल अन्य उम्मीदवार सभ सेहो आगांक प्रक्रिया स्पष्ट होयबाक प्रतीक्षा मे छथि।
परीक्षाक पारदर्शिता पर उठल सवाल
बिहार पुलिस अवर सेवा आयोग द्वारा 1799 पद पर बहाली लेल 27 मई कें दू पाली मे मुख्य लिखित परीक्षा आयोजित कएल गेल छल। परीक्षा भेलाक बाद सोशल मीडिया पर प्रश्नपत्र आ ओएमआर शीट वायरल होयबाक दावा सामने आयल। अभ्यर्थी सभ कें ओएमआर शीटक कार्बन प्रति बाहर लए जेबाक अनुमति नहि छल, मुदा सोशल मीडिया पर प्रश्न आ ओएमआर शीट सं संबंधित फोटो आ अन्य सामग्री वायरल होमय लागल। एहि कारण परीक्षाक पारदर्शिता पर प्रश्न उठल।
19 जून कें जारी भेल छल परिणाम
आयोग 19 जून कें मुख्य लिखित परीक्षाक परिणाम जारी केने छल। परिणाम मे कुल 10,759 अभ्यर्थी कें सफल घोषित कएल गेल छल। एकर बाद परीक्षा मे कथित गड़बड़ी आ प्रश्नपत्र तथा ओएमआर शीट वायरल होयबाक मामिला लए कए अभ्यर्थी सभ परीक्षा रद्द करबाक मांग तेज कए देलनि। पटना सहित विभिन्न ठाम छात्र सभ आंदोलन केलनि। पटना मे गर्दनीबाग धरना स्थल पर सेहो कतेको दिन सं पैघ संख्या मे अभ्यर्थी परीक्षा रद्द करबाक मांग लए कए धरना पर बैसल छलाह।
मुख्यमंत्रीक निर्देश पर गठित भेल जांच समिति
अभ्यर्थी सभक आंदोलनक बीच मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी छात्र सभक मांग पर मामिलाक जांच लेल समिति गठित करबाक आ जांचक आधार पर उचित कारबाइ करबाक निर्देश देने छलाह। एकर बाद परीक्षा रद्द करबाक मांग लए कए आमरण अनशन करैत छात्र सभ अपन अनशन समाप्त कए देने छलाह। दोसर दिस, आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) द्वारा सेहो पूरा मामिलाक जांच कएल जा रहल छल। प्रारंभिक जांच मे परीक्षाक संचालन आ एहि सं जुड़ल मामिला मे कतेको त्रुटि सामने अयलाक बाद आयोग 27 मई कें आयोजित मुख्य लिखित परीक्षा रद्द करबाक निर्णय लेने अछि।