Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार

Avatar
By Samadiya Mithila
September 23, 2026 2 Min Read
0

जमुई, समदिया

बिहारक जमुई मे छात्रा सं छेड़खानीक चर्चित मामिलाक आरोपी हरेराम यादव कें बुधदिन न्यायालय मे पेश करबाक समय एक अधिवक्ता थापड़ लगा देलनि। अधिवक्ता आकाश पांडे पुलिसक सुरक्षा मे आरोपी कें न्यायालय सं बाहर अनबाक समय ओकरा पर हाथ उठा देलनि। एहि घटनाक बाद किछु समय धरि अदालत परिसर मे उहापोहक स्थिति बनि गेल।

हरेराम यादव कें देखबाक लेल भोरहि सं जमुई न्यायालय परिसर मे लोकक भीड़ जुटल छल। बरखाक कारण पुलिस ओकरा दिनक बाद न्यायालय मे पेश कएलक। जमुई पुलिस पोक्सो मामिलाक विशेष न्यायाधीश महेश्वर दुबेक कोर्ट मे हरेराम यादव कें प्रस्तुत कएलक, जतय सं ओकरा न्यायिक हिरासत मे जेल पठा देल गेल। पुलिस ओकरा न्यायालय सं बाहर निकालि गाड़ीक दिस लए जा रहल छल, तखने अधिवक्ता आकाश पांडे ओकरा थापड़ जड़ि देलनि।

अधिवक्ता आकाश पांडे कहलनि जे आरोपी जेहन कृत्य कएलक अछि, ताहि लेल जमुईवासी लज्जित छथि। हुनकर कहब छल जे अधिवक्ता होयबा सं पहिने ओ एकटा मनुष्य छथि आ हुनका भीतर मानवता अछि। जं एहि लेल हुनका कानूनक अनुसार सजा भेटैत अछि तं ओ ताहि लेल तैयार छथि। हुनकर कहब छल जे बहिन-बेटीक संग एहन घटना होयत तं ओकरा बर्दाश्त नहि कएल जायत।

5 आरोपी पकड़ल गेल

जमुईक मड़वा मे नाबालिग लड़का-लड़की कें रोकि ओकरा सं अभद्रता करबाक चर्चित मामिला मे हरेराम यादव सहित 2 आरोपी कें गिरफ्तार कएल गेल अछि। एहि मामिला मे 3 नाबालिग आरोपी कें सेहो पकड़ल गेल अछि। मामिला मे कुल 6 लोकक नाम सामने आएल अछि, जाहि मे 5 कें पकड़ल जा चुकल अछि, जखन कि एक आरोपी एखन धरि फरार अछि। पुलिस एहि मामिला मे कठोर कारबाइ करबाक बात कहि रहल अछि। एहि क्रम मे मंगलदिन एक आरोपी नंदन यादवक पैर मे गोली लागल छल। पुलिसक कारबाइ कें लोक हाफ एनकाउंटर कहि रहल छथि।

वीडियो वायरल करबाक मामिला मे सेहो कारबाइ

जमुई थाना कांड संख्या 428/2026 मे नाबालिग लड़का-लड़कीक वीडियो वायरल कए ओकर पहिचान सार्वजनिक करबाक मामिला मे जमुई साइबर थाना कांड संख्या 45/26 दर्ज कएल गेल अछि। पुलिस त्वरित कारबाइ करैत सोशल मीडिया हैंडलर औरैया पैरा, मटिहाना, सोनो निवासी योगेंद्र प्रसाद यादव, अडसार, जमुई निवासी फैयाज शाह आ सगमा, चंद्रदीप निवासी रामाशीष कुमार कें गिरफ्तार कए जेल पठा देलक।

पुलिसक अनुसार, इंस्टाग्राम, फेसबुक आ एक्स सहित विभिन्न सोशल मीडिया हैंडल पर वीडियो वायरल कएनिहार सैकड़ो लोकक लिंकक आधार पर खोजबीन चलि रहल अछि। एहि मामिला मे आइटी एक्टक विभिन्न धारा सं संग पोक्सो एक्टक अंतर्गत सेहो मुकदमा दर्ज कएल गेल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

5 आरोपी गिरफ्तारआकाश पांडेजमुई कांडजमुई क्राइम न्यूजजमुई छेड़खानी मामलाजमुई पुलिसजमुई समाचारजमुई साइबर थानानाबालिग वीडियो वायरलपोक्सो एक्टबिहार समाचारवकील थप्पड़हरेराम यादव
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 23-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जमुई कांडक आरोपी हरेराम यादवक पिटाइ, वकील कोर्ट मे जड़लनि थापड़, 5 आरोपी गिरफ्तार
  • दरोगा बहालीक मुख्य लिखित परीक्षा रद्द, प्रश्नपत्र वायरल होयबाक दावाक बाद बीपीएसएससीक फैसला
  • पटना मे मां सीता महिला विश्वविद्यालय, बेगूसराय मे दिनकर विश्वविद्यालयक स्थापना; कैबिनेटक पैघ फैसला
  • दरभंगा मे छात्रा सं छेड़छाड़, ओढ़नी खींचि बाइक पर बैसेबाक प्रयास, पॉक्सो एक्ट मे दू आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech