Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार बाढ़ि मे क्षतिग्रस्त ग्रामीण सड़क
बिहारमिथिलाविशेष रिपोर्ट

बिहार बाढ़ि मे 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित, मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी

Avatar
By Samadiya Mithila
September 21, 2026 3 Min Read
0

अभिषेक आनंद

एहि बेर बिहार मे आयल बाढ़ि सं जनजीवनक संग-संग ग्रामीण सड़कक नेटवर्क पर सेहो पैघ असरि पड़ल अछि। ग्रामीण कार्य विभागक प्रारंभिक रिपोर्टक अनुसार राज्यक 17 जिला मे 1050 सं बेसी ग्रामीण सड़क बाढ़िक चपेट मे आएल अछि। करीब 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित होयबाक अनुमान अछि। बाढ़िक पानि उतरलाक बाद सड़कक वास्तविक क्षतिक पूरा आकलन भए सकत।

बाढ़क कारण कतेको ठाम ग्रामीण सड़क कटि गेल अछि, तं कतेको स्थान पर सड़क क्षतिग्रस्त भए खदहा मे परिणत भए गेल अछि। बहुतो ग्रामीण सड़क एखन धरि पानि मे डूबल अछि। एहि कारण क्षतिक सही तस्वीर सामने नहि आबि रहल अछि। पानि पूर्ण रूपेण उतरलाक बाद सड़कक स्थिति, कटाव आ क्षतिक विस्तृत आकलन कएल जाएत।

भागलपुर मे सर्वाधिक 151 सड़क प्रभावित

ग्रामीण कार्य विभाग कें जिला सं भेटल प्रारंभिक रिपोर्ट मे भागलपुर सर्वाधिक प्रभावित जिला बनि कए सामने आएल अछि। ओतय 151 ग्रामीण सड़क बाढ़िक कारण प्रभावित होयबाक जानकारी भेटल अछि। एकर बाद पटना आ भोजपुर मे सेहो ग्रामीण सड़क पर बाढ़िक पैघ असररि पड़ल अछि।

पटना जिला मे 140 ग्रामीण सड़क बाढ़िक पानि सं प्रभावित भेल अछि। एहि मे कतेको सड़क एखन धरि जलमग्न अछि। पटना मे दानापुर क्षेत्रक सड़क पर बाढ़िक बेसी असरि पड़ल अछि। दानापुर क्षेत्र मे 44 ग्रामीण सड़क प्रभावित भेल अछि।

भागलपुर आ पटना के बाद भोजपुर मे सेहो स्थिति गंभीर रहल। ओतय 134 ग्रामीण सड़क पर बाढ़िक पानि पहुंचल। सारण मे 101 ग्रामीण सड़क बाढ़िक चपेट मे आएल।

17 जिला मे प्रभावित भेल ग्रामीण सड़क

विभागक प्रारंभिक रिपोर्टक अनुसार समस्तीपुर मे 86, वैशाली मे 82, कटिहार मे 60, लखीसराय मे 54, बेगूसराय मे 49, मुंगेर मे 48, खगड़िया मे 36, अरवल मे 21, सहरसा मे 20, मधेपुरा मे 18, पूर्णिया मे 18, पश्चिम चंपारण मे 16 आ अररिया मे 10 ग्रामीण सड़क बाढ़क पानि सं प्रभावित भेल अछि।

एहि तरहें भागलपुर, पटना, भोजपुर आ सारणक अतिरिक्त उक्त जिला मे सेहो सड़क संपर्क पर बाढ़िक प्रतिकूल असरि पड़ल अछि। कतेको स्थान पर सड़क पर पानि जमा रहबाक कारण आवागमन बाधित अछि।

सड़कक मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी

ग्रामीण कार्य विभागक प्रारंभिक आकलनक अनुसार करीब 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क बाढ़िक कारण क्षतिग्रस्त भेल अछि। एहि सड़कक मरम्मति लेल 1000 करोड़ रुपैया सं बेसी खर्च होयबाक अनुमान अछि। हालांकि, ई राशि प्रारंभिक आकलन पर आधारित अछि। बाढ़िक पानि पूर्ण रूपेण उतरलाक बाद क्षतिक विस्तृत आकलन कएल जाएत आ तकर बाद मरम्मतिक वास्तविक खर्चक तस्वीर स्पष्ट होयत।

ग्रामीण कार्य विभागक मंत्री सुनील कुमारक अनुसार ग्रामीण सड़कक स्थिति संबंधी रिपोर्ट तैयार कएल जा रहल अछि। बाढ़िक पानि निकलिते क्षतिग्रस्त सड़कक मरम्मतिक काज शुरू कएल जाएत, जाहि सं प्रभावित क्षेत्रक लोक कें आवागमन मे बेसी कठिनाइक सामना नहि करय पड़य।

कृषि क्षेत्र मे सेहो पैघ क्षति

बाढ़िक प्रभाव सड़क धरि सीमित नहि रहल। कृषि क्षेत्र मे सेहो फसिलक पैघ क्षति भेल अछि। कृषि विभागक प्रारंभिक रिपोर्ट मे करीब 270 करोड़ रुपैयाक फसल क्षतिक अनुमान लगाओल गेल अछि। हालांकि, जिनका क्षेत्र मे एखन धरि पानि जमा अछि, ओतय क्षतिक पूरा आकलन संभव नहि भए सकल अछि। पानि उतरलाक बाद खेत आ फसिलक क्षतिक विस्तृत सर्वेक्षण कएल जाएत।

सभ विभागक रिपोर्टक बाद केंद्र सं मांगल जाएत सहायता

बिहार सरकारक विभिन्न विभाग बाढ़िक कारण भेल क्षतिक प्रारंभिक आकलन तैयार करय मे लागल अछि। सड़क, सिंचाई, कृषि, आपदा प्रबंधन आ अन्य आधारभूत संरचना सं जुड़ल क्षतिक विभागवार रिपोर्ट तैयार कएल जा रहल अछि। सभ विभागक आखरी रिपोर्ट तैयार भेलाक बाद केंद्र सरकार कें पठाओल जाएत। एहि आधार पर राज्य सरकार केंद्र सं राहति आ आर्थिक सहायता मांगत।

बिहार मे कुल क्षतिक प्रारंभिक अनुमान 10 हजार करोड़

उपलब्ध प्रारंभिक आकलनक अनुसार बिहार मे बाढ़ि सं करीब 10 हजार करोड़ रुपैयाक क्षति होयबाक अनुमान अछि। एहि मे जल संसाधन, आपदा प्रबंधन, ग्रामीण कार्य, कृषि सहित विभिन्न विभाग सं जुड़ल क्षति शामिल अछि। केंद्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहान सेहो बिहारक बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक निरीक्षण केने छलाह। पानि उतरलाक बाद केंद्रीय अधिकारीक टीम बिहार आबि क्षतिक विस्तृत आकलन कए सकैत अछि।

अखन बाढ़ि सं भेल क्षतिक जे आंकड़ा सामने आएल अछि, से प्रारंभिक रिपोर्ट पर आधारित अछि। जाहि क्षेत्र मे एखन धरि बाढ़िक पानि स्थिर अछि, ओतय सड़क, फसिल आ अन्य आधारभूत संरचनाक क्षतिक पूरा तस्वीर पानि उतरलाक बादे स्पष्ट होयत। तकर बाद विभागवार अंतिम रिपोर्ट तैयार कए केंद्र सरकार कें पठेबाक प्रक्रिया आगू बढ़त।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#भागलपुरकृषि क्षतिग्रामीण सड़कपटनाबाढ़ि नुकसानबिहार बाढ़िबिहार बाढ़ि 2026भोजपुरसड़क क्षतिसड़क मरम्मति
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बिहार बाढ़ि मे 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित, मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी
  • आजुक ई पेपर
  • LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बिहार बाढ़ि मे 2000 किलोमीटर ग्रामीण सड़क प्रभावित, मरम्मति पर खर्च होयत 1000 करोड़ सं बेसी
  • आजुक ई पेपर
  • LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech