Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

1 अक्टूबर सं एलपीजी सब्सिडी लेल बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण अनिवार्य
बिहारमिथिलाविशेष रिपोर्ट

LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?

Avatar
By Samadiya Mithila
September 20, 2026 2 Min Read
0

पटना, समदिया

एलपीजी उपभोक्ताक लेल 1 अक्टूबर सं नव नियम लागू होमय जा रहल अछि। सब्सिडी सहित विनियमित खुदरा मूल्य यानी आरएसपी पर घरेलू एलपीजी रिफिल लेबाक लेल बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण यानी बीएए अनिवार्य होयत। जिनका उपभोक्ता पहिनहि ई प्रमाणीकरण करा चुकल छथि, हुनका फेर सं प्रक्रिया करबाक आवश्यकता नहि रहत। तेल कंपनीसभक अनुसार, सब्सिडीबला सिलेंडरक दुरुपयोग रोकबाक आ ओकर व्यावसायिक अथवा औद्योगिक उपयोग दिस मोड़ल जाएब रोकबाक उद्देश्य सं ई व्यवस्था लागू कएल जा रहल अछि।

पहिनहि प्रमाणीकरण करौल उपभोक्ता कें राहति

जिनका एलपीजी उपभोक्ता सभ पहिनहि बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण पूरा कए लेने छथि, हुनका दोसर बेर ई प्रक्रिया नहि करय पड़त। एहन उपभोक्ता अपन पात्रताक अनुसार पहिने जकां सब्सिडीबला एलपीजी रिफिलक लाभ लए सकताह।

1 अक्टूबर सं पहिने करा ली प्रमाणीकरण

जिनका उपभोक्ता सभ एखन धरि बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करौलनि अछि, हुनका 1 अक्टूबर सं पहिने ई प्रक्रिया पूरा करबाक सलाह देल गेल अछि। एकरा लेल गैस एजेंसी धरि जाएब अनिवार्य नहि अछि। डिजिटल आ ऑफलाइन दुनू माध्यम सं प्रमाणीकरण कराओल जा सकैत अछि। एलपीजी रिफिलक डिलीवरीक समय डिलीवरीकर्मी अपन मोबाइल ऐपक माध्यम सं बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण करा सकताह। एकर अतिरिक्त एलपीजी वितरकक दुकानपर जा कए सेहो ई प्रक्रिया पूरा करबाक विकल्प रहत।

घर बैसल मोबाइल ऐप सं कराबी प्रमाणीकरण

उपभोक्ता संबंधित तेल कंपनीक मोबाइल ऐपक माध्यम सं घर बैसल सेहो प्रमाणीकरण कए सकताह। इंडेन उपभोक्ता इंडेनऑयलवन, भारत गैस उपभोक्ता हेलोबीपीसीएल आ एचपी गैस उपभोक्ता एचपी पे ऐपक माध्यम सं ई प्रक्रिया पूरा कए सकताह। बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण आ ई-केवाइसीक प्रक्रिया बुझबाक लेल प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना यानी पीएमयूवाई पोर्टलपर वीडियो ट्यूटोरियल उपलब्ध कराओल गेल अछि। एकर माध्यम सं उपभोक्ता प्रमाणीकरणक पूरा प्रक्रिया बुझि सकताह।

जे उपभोक्ता बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि कराबय चाहैत छथि अथवा कोनो कारण सं ई प्रक्रिया पूरा करय मे सक्षम नहि छथि, ओ तेल कंपनीक डिजिटल माध्यम सं अपन विकल्प दर्ज करा सकताह। एहन उपभोक्ता कें सब्सिडीक बदला बाजार मूल्यपर एलपीजी उपलब्ध कराओल जाएत।

5 अथवा 10 किलो सिलेंडरक विकल्प

उपलब्धताक आधारपर बिना सब्सिडी बाजार मूल्यपर 5 अथवा 10 किलो क्षमताक सिलेंडर मे एलपीजी उपलब्ध कराओल जा सकैत अछि। अर्थात बीएए नहि कराबयबला उपभोक्ताक लेल एलपीजी लेबाक विकल्प पूर्ण रूप सं बंद नहि होयत, मुदा सब्सिडीबला आरएसपी रिफिलक सुविधा प्रभावित होयत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आधार प्रमाणीकरणइंडेनएचपी गैसएलपीजीएलपीजी नियमएलपीजी सब्सिडीगैस सिलेंडरबायोमेट्रिक आधारभारत गैससब्सिडी नियम
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
बाढ़ि पीड़ित कें 15 हजार मुआवजा देबाक मांग करैत तेजस्वी यादव
Previous

बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22 09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech