Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बाढ़ि पीड़ित कें 15 हजार मुआवजा देबाक मांग करैत तेजस्वी यादव
बिहारमिथिलाराजनीति

बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव

Avatar
By Samadiya Mithila
September 20, 2026 2 Min Read
0

पटना, समदिया 

बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव कहलनि जे बिहार एखन दोहरा प्राकृतिक आपदा सं जूझि रहल अछि। राज्यक एक भाग मे बाढ़िक स्थिति अछि, जखन कि दोसर भाग मे सुखाड़ सन परिस्थिति बनल अछि। हुनकर दावा अछि जे करीब 45 लाख लोक बाढ़ि सं प्रभावित छथि, मुदा बाढ़ि पीड़ित धरि राहति पहुंचेबा मे डबल इंजनक सरकार असफल रहल अछि। तेजस्वी कहलनि जे बिहारक डबल इंजन मे आगि लागि गेल अछि।

रविदिन अपन आवास पर आयोजित पत्रकार सम्मेलन मे तेजस्वी यादव राज्य आ केंद्र सरकार पर सवाल उठौलनि। ओ कहलनि जे बिहार मे बाढ़िक भयावह स्थिति अछि, मुदा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह स्थिति देखबाक लेल बिहार नहि पहुंचल छथि। तेजस्वी यादव बाढ़ि सं प्रभावित प्रत्येक किसान कें 15 हजार रुपैया सहायता देबाक मांग केलनि। हुनकर कहब छल जे बाढ़ि आ फसिलक क्षति सं जूझि रहल किसान कें तत्काल राहति देबाक आवश्यकता अछि।

बाढ़ि-सुखाड़ पीड़ित कें पर्याप्त राहति नहि

तेजस्वी यादव आरोप लगौलनि जे डबल इंजनक सरकार रहितो बाढ़ि आ सुखाड़ सं प्रभावित लोक कें पर्याप्त राहति नहि भेटि रहल अछि। राहति आ बचाव लेल सरकार द्वारा प्रभावी डेग नहि उठाओल जा रहल अछि। ओ भाजपा नेतृत्वक सरकार पर सेहो सवाल उठबैत कहलनि जे मुख्यमंत्री भाजपा सं बनलाक बादो बाढ़ि-सुखाड़ प्रभावित लोकक लेल प्रभावी पहल नहि देखाइ पड़ि रहल अछि।

ओ भाजपा नेता आ मंत्री सभ सं सवाल केलनि जे ओ प्रधानमंत्री आ केंद्रीय गृह मंत्री सं भेंट कए बिहारक बाढ़ि पीड़ितक लेल विशेष राहतिक मांग किएक नहि करैत छथि। तेजस्वी नितिन नवीन सं सेहो पूछलनि जे ओ प्रधानमंत्री सं बिहारक बाढ़िक विषय मे किएक नहि भेंट केलनि आ प्रधानमंत्री आ गृह मंत्री कें बिहार किएक नहि अनलनि।

कम संख्या मे चलल सामुदायिक रसोई

राहति व्यवस्थाक संबंध मे तेजस्वी कहलनि जे बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र मे बहुत कम संख्या मे सामुदायिक रसोई चलाओल गेल। पर्याप्त राशि नहि भेटलाक कारण किछुए दिनक बाद कतेको राहति शिविर बंद कए देल गेल। ओ सामुदायिक रसोईक संख्या आ एहि पर भेल खर्चक विवरण सार्वजनिक करबाक मांग केलनि। तेजस्वी अपन सरकारक कार्यकालक उल्लेख करैत कहलनि जे हुनकर समय आपदा पीड़ितक लेल बजटक 4 प्रतिशत राशि देबाक व्यवस्था तय कएल गेल छल।

बाढ़िक समीक्षा नहि, मात्र फोटो सेशन

तेजस्वी यादव बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक दौरा करैत सरकारी अधिकारी आ मंत्री सभ पर सेहो सवाल उठौलनि। हुनकर आरोप छल जे बाढ़िक समीक्षा नाम पर मात्र फोटो सेशन कएल जा रहल अछि आ जमीन पर राहति पहुंचेबाक पर्याप्त व्यवस्था नहि अछि। ओ प्रधानमंत्री केयर फंडक संबंध मे सेहो सवाल उठबैत पूछलनि जे बिहारक बाढ़ि पीड़ितक लेल पीएम केयर फंड सं एखन धरि कतेक राशि देल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

केंद्र सरकारतेजस्वी यादवपीएम केयर फंडबाढ़ि पीड़ितबाढ़ि पीड़ित किसानबाढ़ि मुआवजाबिहार बाढ़िबिहार बाढ़ि राहतबिहार सरकारसामुदायिक रसोई
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
नेपाल मे हाइडैम निर्माणक मांग करैत विजेंद्र प्रसाद यादव
Previous

नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech