पटना, समदिया
राज्य मे प्रत्येक वर्ष बाढ़ि सं भारी क्षति होइत अछि। नेपाल मे हाइडैम बनेबाक मांग वर्षो सं उठैत रहल अछि, मुदा एखन धरि एहि संबंध मे कोनो ठोस निर्णय नहि भए सकल अछि। बिहारक उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण सं भेंट कए नेपाल मे पैघ बांध अर्थात हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णय लेबाक मांग केलनि अछि। उपमुख्यमंत्री कहलनि जे एहि लेल अतिशीघ्र डीपीआर तैयार होमक चाही।
असल मे 18 आ 19 सितंबर कें दिल्ली मे दू दिवसीय वित्त मंत्रीक बैठक आयोजित भेल छल, जाहि मे बिहारक उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव सेहो सहभागी भेल छलाह। बैठकक संबंध मे ओ कहलनि जे ओ केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमणक समक्ष बिहार सं जुड़ल विभिन्न समस्या रखने छलाह। एहि क्रम मे बिहार मे बाढ़िक समस्या सेहो उठाओल गेल आ नेपाल मे प्रस्तावित हाइडैमक निर्माण पर शीघ्र निर्णय लेबाक मांग कएल गेल।
विजेंद्र प्रसाद यादव कहलनि जे दू दिवसीय बैठकक दौरान केंद्रीय वित्त मंत्रीक संग बिहारक कतेको मुद्दा पर बात भेल। ओ कहलनि जे हम बिहार मे नेपाल सं उत्तर बिहारक नदी सभ मे आबयबला पानिक कारण उत्पन्न बाढ़िक समस्या हुनका समक्ष रखने छी। संगहि प्रस्तावित हाइडैम पर शीघ्र काज शुरू करबाक मांग सेहो रखने छी।
पहिने सेहो उठि चुकल अछि मांग
नेपाल मे हाइडैम निर्माणक मांग पहिनहुं उठैत रहल अछि। एहि संबंध मे उपमुख्यमंत्री विजय चौधरी आ जनता दल यूनाइटेडक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा सेहो विदेश मंत्री आ वित्त मंत्री सं भेंट कए अपन बात रखने छलाह। दुनू नेता नेपाल मे हाइडैम निर्माणक आवश्यकता पर केंद्रक ध्यान आकृष्ट करा चुकल छथि।
दोसर हरित क्रांतिक मुद्दा सेहो उठाओल गेल
विजेंद्र यादव कहलनि जे बैठक मे ओ दोसर हरित क्रांतिक मुद्दा सेहो उठौलनि। हुनकर कहब छल जे पहिल हरित क्रांतिक समय बिहार पाछां रहि गेल छल। ओ केंद्र सरकारक आयोगक रिपोर्टक उल्लेख करैत कहलनि जे दोसर हरित क्रांतिक शुरुआत पूर्वी भारत सं करबाक बात रिपोर्ट मे कहल गेल अछि आ एहि मे बिहार सेहो सम्मिलित अछि। मुदा उत्तर बिहारक पैघ हिस्सा बेर-बेर बाढ़िक चपेट मे अबैत अछि। उपमुख्यमंत्रीक अनुसार, नेपाल मे प्रस्तावित हाइडैमक निर्माण पर शीघ्र निर्णय भेला सं बिहार दोसर हरित क्रांतिक दिशा मे सार्थक सहयोग कए सकत आ विकसित भारतक निर्माण मे बिहारक महत्वपूर्ण भूमिका सुनिश्चित भए सकत।
दिल्ली मे केंद्रीय वित्त मंत्रीक संग बैठक मे सहभागी होयबाक कारणें विजेंद्र यादव जनता दल यूनाइटेड विधानमंडल दलक बैठक मे उपस्थित नहि भए सकलाह। एहि दू दिवसीय सम्मेलन मे केंद्रीय वित्त मंत्रीक अतिरिक्त विभिन्न राज्यक मुख्यमंत्री, उपमुख्यमंत्री आ वित्त मंत्री सेहो सहभागी भेल छलाह।