बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
बेगूसराय/समस्तीपुर, समदिया
दिन मे एहि सड़क पर गाड़ीक हल्ला-गुल्ला, बाजारक चहल-पहल आ लोकक आवाजाही रहैत अछि। मुदा सांझ ढलिते दृश्य बदलि जाइत अछि। सड़क सुनसान होइत अछि, अन्हार गहराइत अछि आ बसौना मोड़क नाम सुनिते लगपासक लोकक बीच एकटा अनकहल भय जागि उठैत अछि। बेगूसराय आ समस्तीपुर कें जोड़निहार एसएच-55क एहि हिस्सा कें स्थानीय लोक दुर्घटनाक रहस्यमय घटनासभक कारण चर्चित मानैत छथि।
किछु लोकक कहब अछि जे एहि मोड़ पर अनचोके वाहन असंतुलित भए जाइत अछि। कहियो बाइक सवार दुर्घटनाग्रस्त होइत छथि तं कहियो तेज रफ्तार वाहन दोसर वाहन सं टकरा जाइत अछि। एहि कारण बसौना मोड़ कें लए कए स्थानीय लोकक बीच तरह-तरह केर चर्चा अछि। कियो एकरा सड़कक बनावट आ तीव्र गति सं जोड़ैत छथि तं कियो एहि स्थानक बारे मे एहन कथा सुनबैत छथि, जे रातिक अन्हार मे रहस्यक रंग लए लैत अछि।
मुदा सवाल ई अछि जे दुर्घटनाक पाछां वास्तव मे कोनो रहस्य अछि अथवा सड़कक भौतिक स्थिति, वाहनक तेज गति आ सावधानीक अभाव?
हालक घटना सभ एहि सवाल कें गंभीर बना दैत अछि। एसएच-55 पर हालहि मे अलग-अलग दुर्घटना मे लोक घायल भेल छथि। मिर्जापुर चौक आ दौलतपुर मोकर्रीक लग भेल दू दुर्घटना मे एकहि परिवारक पति-पत्नी घायल भेल छलाह।
एहि सड़क पर रोसड़ा पंचवटी चौक लग सेहो एकटा गंभीर दुर्घटना मे बाइक सवार पति-पत्नीक मृत्यु भेल। दुनू सिमरिया धाम सं गंगास्नान कए घर लौटि रहल छलाह, तखने ट्रॉली वाहनक चपेट मे आबि गेलाह। दुर्घटनाक बाद पुलिस वाहन आ चालक कें पकड़ि लेलक।
लगातार दुर्घटनाक घटना सं स्थानीय लोकक चिंता स्वाभाविक अछि। मुदा ‘भूतिया सड़क’ अथवा ‘रहस्यमय मोड़’ जेकां नाम दुर्घटनाक वास्तविक कारणक उत्तर नहि दैत अछि। सड़क विशेषज्ञक दृष्टि सं देखल जाय तं मोड़क ज्यामिति, राति मे प्रकाशक कमी, सड़क पर अनचोके मुड़निहार वाहन, विपरीत दिशा सं आबि रहल गाड़ीक गति आ चालकक असावधानी – ई सभ दुर्घटनाक महत्वपूर्ण कारण भए सकैत अछि।
बसौना मोड़ पर सेहो एहि पहलू सभक वैज्ञानिक जांच आवश्यक अछि। कतेक दुर्घटना भेल? कोन समय बेसी दुर्घटना होइत अछि? कोन दिशा सं आबि रहल वाहन बेसी दुर्घटनाग्रस्त होइत अछि? सड़कक चौड़ाइ, मोड़, संकेतक, प्रकाश व्यवस्था आ स्पीड ब्रेकरक स्थिति केहन अछि? एहि प्रश्नक उत्तर भेटलाक बाद ‘रहस्य’ बहुत हद धरि साफ भए सकैत अछि।
अखन बसौना मोड़क कथा मे डर आ जिज्ञासा दुनू संग-संग चलैत अछि। दिन मे सामान्य देखाइ पड़निहार ई सड़क राति मे लोकक कल्पना मे रहस्यमय बनि जाइत अछि। मुदा सड़क पर जिनगी बचाबै लेल रहस्य सं बेसी जरूरी अछि – सावधानी, नियंत्रित गति आ सुरक्षित सड़क व्यवस्था। कारण जे किछु हो, एकटा बात निर्विवाद अछि – एसएच-55 पर बढ़ैत दुर्घटना कें ‘भाग्य’ अथवा ‘रहस्य’ कहि कए छोड़ि देल जाय, तं समस्या कहियो खत्म नहि होयत।