पटना, समदिया
बिहार मे विधान परिषदक 8 सीट लेल होमयबला चुनाव कें लए कए राजनीतिक सरगर्मी तेज भए गेल अछि। विधान परिषदक 4 स्नातक आ 4 शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र लेल चुनाव होयत। चुनाव सं पहिने विभिन्न राजनीतिक दल अपन-अपन तैयारी तेज कए देने छथि आ जीतक दावा कए रहल छथि। एहि बेरक चुनाव आरो रोचक भए गेल अछि, कारण प्रशांत किशोरक पार्टी जन सुराज सेहो अपन प्रत्याशी मैदान मे उतारबाक घोषणा केलक अछि।
बांकीपुरक विधायक आ जन सुराजक सूत्रधार प्रशांत किशोर रविदिन 5 सीट लेल पार्टीक प्रत्याशीक नामक घोषणा केलनि। ओ कहलनि जे विधान परिषदक जाहि निर्वाचन क्षेत्र सं जन सुराजक प्रत्याशी विजयी होयत, ओतय पार्टी 10 हजार पढ़ल-लिखल युवा कें रोजगार देबाक प्रयास करत। हुनकर अनुसार बचल 3 सीट लेल प्रत्याशीक घोषणा चारि दिनक भीतर कए देल जायत।
जन सुराजक घोषित प्रत्याशी
पटना शिक्षक – दिव्य ज्योति
सारण शिक्षक – अफाक अहमद
कोसी स्नातक – रजनीश रंजन
दरभंगा शिक्षक – सुरेंद्र प्रसाद राय
दरभंगा स्नातक – रवींद्र कुमार यादव
एहि सीट सभ पर होयत चुनाव
स्नातक निर्वाचन क्षेत्र
पटना – नीरज कुमार, जदयू
दरभंगा – सर्वेश कुमार, निर्दलीय
कोसी – एनके यादव, भाजपा
तिरहुत – बंशीधर ब्रजवासी, निर्दलीय
शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र
पटना – प्रो. नवल किशोर यादव, भाजपा
दरभंगा – डॉ. मदन मोहन झा, कांग्रेस
सारण – अफाक अहमद, निर्दलीय
तिरहुत – संजय कुमार सिंह, भाकपा
विधान परिषद चुनावक बीच राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) मे सेहो सब किछु सहज नहि देखाइ पड़ि रहल अछि। मोकामाक विधायक अनंत सिंह पटना स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सं डॉ. अनुज सिंहक समर्थनक घोषणा कए चुकल छथि। एहि सीट सं जदयू नेता नीरज कुमार लगातार तीन बेर चुनाव जीतने छथि। अनंत सिंह द्वारा अनुज सिंहक समर्थनक बाद एहि मुद्दा पर राजनीतिक बयानबाजी सेहो तेज भेल अछि।
दोसर दिस महागठबंधन मे सेहो प्रत्याशी चयन कें लए कए मतभेदक चर्चा अछि। मीडिया रिपोर्टक अनुसार राष्ट्रीय जनता दल अपन प्रत्याशी सभक नाम घोषित कए देने अछि आ राजदक एहि कदम सं कांग्रेसक नाराजगीक बात कहल जा रहल अछि। एहि कारण 8 सीट लेल होमयवला विधान परिषद चुनाव मे विभिन्न दलक बीच राजनीतिक गतिविधि आरो तेज होयबाक संभावना अछि।