Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

खोपा-कोनाइर मे एनएच-27 पर ठाढ़ ट्रक सं टकरायल ट्रक, बाल-बाल बचलाह चालक

Avatar
By Samadiya Mithila
October 26, 2026 2 Min Read
0

 

  • एनएच-27 पर दुर्घटनाग्रस्त ट्रक नहि हटेला सं स्थानीय लोक मे आक्रोश

 

झंझारपुर, समदिया

फुलपरास थाना क्षेत्रक खोपा-कोनाइर गामक लग एनएच-27 पर सोमदिन भोर मे घना कुहासाक कारण पैघ सड़क दुर्घटना भए गेल। दरभंगाक दिस जा रहल केरा लदल एकटा ट्रक पहिने सं दुर्घटनाग्रस्त अवस्था मे सड़क पर ठाढ़ ट्रक सं टकरा गेल। एहि दुर्घटना मे ट्रकक अगिला हिस्सा पूरा तरहे क्षतिग्रस्त भए गेल आ चालक केबिन मे फंसि गेलाह। स्थानीय लोक ताहिर हुसैन आ फिरोजक अनुसार, करीब पांच दिन पहिने दुर्गापूजाक दिन एही स्थान पर पुलिसक गाड़ी कें बचयबाक क्रम मे एकटा ट्रक पलटि गेल छल। एहि दुर्घटना मे पुलिसक एकटा जवानक मृत्यु भए गेल छलनि। आरोप अछि जे प्रशासन क्षतिग्रस्त ट्रक कें हटयबाक बदला एनएच-27 परे गलत दिशा मे ठाढ़ कए देने छल। सोमदिन भोरे घना कुहासाक कारण फुलपरास दिस सं दरभंगा जा रहल केरा लदल ट्रकक चालक कें गलत दिशा मे ठाढ़ ओ ट्रक नहि देखायल आ हुनकर ट्रक सीधा ओहि सं टकरा गेल। दुर्घटनाक बाद स्थानीय लोकक सहयोग सं चालक कें केबिन सं बाहर निकालि अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय हुनकर इलाज चलि रहल अछि।

दुर्घटनाग्रस्त ट्रक नहि हटेला सं प्रशासनक प्रति आक्रोश

घटनाक बाद स्थानीय लोक मे प्रशासनक प्रति आक्रोश देखल जा रहल अछि। लोकसभक कहब अछि जे जं प्रशासन समय रहैत दुर्घटनाग्रस्त ट्रक कें हटाकय एनएच-27 कें खाली रखने रहैत, तं एहि दुर्घटना कें टालल जा सकैत छल। कुहासाक एहि मौसिम मे सड़क पर एहन वाहन पड़ल रहबाक कारण दुर्घटनाक आशंका बढ़ि जाइत अछि। स्थानीय लोक कहलनि जे जं पाछू आओर गाड़ी रहैत, तं कतेको ट्रक एक-दोसरा सं टकरा सकैत छल। लोक सभ प्रशासन सं मांग कयलनि जे हाईवे पर पड़ल दुर्घटनाग्रस्त वाहन सभ कें तत्काल हटाओल जाय, जाहि सं यातायात सुरक्षित आ सुचारु रहय।

किछुए दूर पर खाली बस ट्रक मे मारलक टक्कर

एहि घटनास्थल सं किछुए दूर पूब दिस एकटा आओर सड़क दुर्घटना भेल। ओतय आगू चलि रहल ट्रक मे पाछू सं एकटा खाली बस टक्कर मारि देलक। टक्कर मे बसक अगिला हिस्सा क्षतिग्रस्त भए गेल। बस मे चालक आ खलासीक अतिरिक्त कोनो यात्री नहि छल। स्थानीय लोकक कहब अछि जे जाड़क मौसिम शुरू होइतहि एनएच-27 पर कुहासाक कारण सड़क दुर्घटना सभ बढ़ि जाइत अछि। एहि लेल प्रशासन कें चाही जे हाईवे पर पड़ल दुर्घटनाग्रस्त वाहन सभ कें तुरंत हटाबय आ सड़क कें पूरा तरहे खाली रखबाक व्यवस्था करय, जाहि सं दुर्घटना सभ पर रोक लगाओल जा सकय।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

चक्रवात अर्नबक कारण 28 अक्टूबर सं बिहार मे बरखाक संभावना, ऑरेंज अलर्ट जारी

Next

साहित्यिकीक 385म मासिक गोष्ठी संपन्न, दू पोथीक भेल लोकार्पण

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • डूबैत व्यक्ति कें बचेबाक प्रयास नहि केलक पुलिस, मृत्यु
  • खड़गेक टिप्पणी पर भड़कल भाजपा, पटना मे पुतला पर मारलक थापड़
  • बेगूसराय मे 15 वर्षीया दिव्यांग नाबालिग संग सामूहिक दुष्कर्म, दू गिरफ्तार
  • नीलम देवी कें आवास खाली करबाक नोटिस, अनंत सिंहक विधायकी समाप्त करेबा लेल विधानसभा पहुंचलाह उमेश कुशवाहा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech