चक्रवात अर्नबक कारण 28 अक्टूबर सं बिहार मे बरखाक संभावना, ऑरेंज अलर्ट जारी
पटना। बंगालक खाड़ी के ऊपर बनि रहल चक्रवाती तूफान ‘अर्नब’ बिहारक मौसम कें प्रभावित कए सकैत अछि। एहि कारण 28 अक्टूबर सं 1 नवंबरक बीच राज्यक कतेको हिस्सा मे बरखा होएबाक अनुमान अछि। एहि मौसमी प्रणाली के 28 अक्टूबर के आंध्र प्रदेशक तट धरि पहुंचबाक आशा अछि। हालांकि, एकर अप्रत्यक्ष प्रभाव सं बिहार मे बरखा भ’ सकैत अछि आ आंधी-तूफानक संग तेज हवा चलि सकैत अछि। मौसम पूर्वानुमानक अनुसार, बिहार मे पूबिया हवा तेज भ’ गेल अछि आ नमीक स्तर सेहो बढ़ि रहल अछि।
29 अक्टूबर के किछु इलाका मे भारी बरखा भ’ सकैत अछि। उत्तर बिहारक जिला सभ मे मौसमक गतिविधि बेसी तीव्र रहबाक संभावना अछि।
मौसम विभाग 28 अक्टूबर के किछु जिला सभ लेल ‘येलो अलर्ट’ आ 29 अक्टूबर कें पूरा बिहार लेल ‘ऑरेंज अलर्ट’ जारी कएने अछि।
एहि दौरान हवा के गति 40-50 किलोमीटर प्रति घंटा धरि पहुंचि सकैत अछि। संगहि आंधी-तूफान आ बिजली खसबाक सेहो आशंका अछि।
हालांकि, 26 आ 27 अक्टूबर के राज्यक अधिकांश हिस्सा मे मौसम मुख्य रूप सं शुष्क आ सामान्य रहबाक आशा अछि। पटना, मुजफ्फरपुर आ आन इलाका सभ मे रौद निकलल रहि सकैत अछि। भोरे आ सांझक समय कनि ठंढ रहत आ फिलहाल बरखा होएबाक कोनो संभावना नहि अछि।
अधिकतम तापमान करीब 30 डिग्री सेल्सियस आ न्यूनतम तापमान 21 डिग्री सेल्सियस रहबाक अनुमान अछि। हवा मे नमी 55 सं 75 प्रतिशतक बीच रहबाक संभावना अछि, जे मौसम प्रणाली विकसित होएबाक संग बढ़ि सकैत अछि।
संभावित बरखा आ तेज हवा सं खेत मे ठाढ़ फसल आ फलदार गाछ सभ के नुकसान पहुंचि सकैत अछि। बिजली खसला सं लोक, पशु आ संपत्तिक लेल खतरा उत्पन्न भ’ सकैत अछि। एकर अतिरिक्त, अस्थायी संरचना, टीनक छत बला घर आ कच्चा मकान सभ के सेहो नुकसान पहुंचबाक आशंका अछि।
किसान सभ के सलाह देल गेल अछि जे ओ सभ मौसम संबंधी अपडेट पर नजर राखथि आ अपन फसल आ कृषि उपकरण सभक सुरक्षा लेल जरूरी सावधानी बरतथि।
लोक सभ के सलाह देल गेल अछि जे आंधी-तूफानक दौरान गाछ वा बिजलीक खंभा तर नहि ठाढ़ रहथि। बिजली कड़कबाक समय कोनो सुरक्षित आ मजबूत भवनक भीतर चलि जाइत रहथि।
हालांकि, एहि तूफानक बिहार पर सीधा असर अर्थात लैंडफॉल होएबाक संभावना नहि अछि, मुदा एहि सं जुड़ल मौसमी बदलावक कारण कतेको जिला मे सामान्य जनजीवन प्रभावित भ’ सकैत अछि।
आम लोक आ किसान सभ सं अपील कयल गेल अछि जे ओ सभ आधिकारिक दिशा-निर्देश सभक पालन करथि आ भारी बरखा आ तेज हवा चलबाक दौरान अनावश्यक यात्रा करबा सं बचथि।