रांची।
झारखंड मुक्ति मोर्चाक संस्थापक आ राज्यक पूर्व मुख्यमंत्री शिबू सोरेन उर्फ दिशोम गुरुजी कें सोमदिन भोरे 8:48 बजे निधन भए गेल। ओ बहुत दिन सं बीमार छलाह आ दिल्ली स्थित सर गंगाराम अस्पताल मे नेफ्रोलॉजी विभाग मे भरती छलाह। ओ किडनी संबंधी रोग सहित अन्य स्वास्थ्य समस्यासं पीड़ित छलाह। हुनकर आयु 81 वर्ष छल। हुनकर निधनक समाचार सार्वजनिक होइत देश भरि मे शोकक माहौल बनि गेल अछि।
शिबू सोरेन क निधन पर झारखंडक मुख्यमंत्री एवं हुनकर पुत्र हेमंत सोरेन गहिर शोक व्यक्त करैत कहलनि, “आदरणीय दिशोम गुरुजी हमरा सभ कें छोड़ि चलि गेलाह। आइ हम पूर्ण रूप सं शून्य भए गेल छी। झारखंड सरकार 4 अगस्त सं 6 अगस्त धरि तीन दिनक राजकीय शोक घोषित केने अछि। संगहि, 4 आ 5 अगस्त कें सम्पूर्ण सरकारी कार्यालय बंद रहत।
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो शोक व्यक्त करैत शिबू सोरेन कें एक जमीन सं जुड़ल नेता बतौलनि। ओ कहलनि जे, “शिबू सोरेन जी एक समर्पित जननेता छलाह, जे जनजातीय समुदाय, गरीब आ वंचित वर्गक सशक्तिकरण मे जीवन समर्पित कएलनि। हुनकर निधन सं बहुत पीड़ा भेल। हमर संवेदना हेमंत सोरेन जी आ समस्त परिवार संग अछि।”
सर गंगाराम अस्पतालक प्रवक्ता द्वारा जारी वक्तव्य मे कहल गेल जे शिबू सोरेन 19 जून 2025 सं अस्पताल मे भरती छलाह आ हुनकर इलाज डॉ. ए. के. भल्ला द्वारा कैल जा रहल छल। अस्पताल प्रशासन कहलक जे तमाम प्रयासक बावजूद हुनकर मृत्यु भए गेल। संस्थान झारखंड आ देशक ई वयोवृद्ध नेता कें हार्दिक श्रद्धांजलि अर्पित करैत परिजन एवं राज्यवासीक संग सहानुभूति प्रकट केलक।
भारतक रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह सेहो शिबू सोरेनक निधन पर दुःख प्रकट करैत कहलनि जे ओ जनजातीय समाजक अधिकार आ सशक्तिकरण लेल जीवन भरि संघर्ष करैत रहलाह। ओ एक जमीन सं जुड़ल नेता छलाह, जिनकर संग व्यक्तिगत संबंध सेहो रहल। हुनकर निधन सं व्यक्तिगत रूप सं हम अत्यन्त दुःखी छी। ओम् शांति।
शिबू सोरेनक स्वास्थ्य स्थिति विगत कतेको मास सं नाजुक रहल। 14 जून कें हुनका अस्पताल मे पुनः भरती कराओल गेल छल, जाहि अवसर पर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन स्वयं हुनकर कुशलक्षेम बुझबाक लेल अस्पताल गेल छलाह।
शिबू सोरेन झारखंड राज्य निर्माणक आन्दोलन मे अग्रणी भूमिका निभेलनि आ तीन बेर झारखंड राज्यक मुख्यमंत्री बनलाह। पहिल बेर 2005 मे मुख्यमंत्री बनलाक बाद ओ मात्र 10 दिन धरि पद पर रहलाह। दोसर बेर 2008 मे लगभग एक वर्ष धरि आ तेसर बेर किछु मास धरि मुख्यमंत्रीक जिम्मेवारी निभेलनि। राज्यक गठन उपरांत ओ झारखंडक तेसर मुख्यमंत्री बनल छलाह।
केवल राज्य स्तर पर नहि, बल्कि केंद्र सरकार मे सेहो शिबू सोरेन सक्रिय रहलाह। ओ आठ बेर लोकसभा सदस्य रहलाह, जाहिमे दुमका निर्वाचन क्षेत्र सं 1980, 1986, 1989,1991, 1996, 2004, 2009 आ 2014 मे जीत हासिल केलनि। 1977 मे ओ पहिल बेर लोकसभा चुनाव लड़लनि, मुदा हारि गेल छलाह। 1998 मे भाजपा नेता बाबूलाल मरांडी सं पराजय भेलथि, आ 1999 मे अपन पत्नी कें उम्मीदवार बनौलनि, मुदा ओहो पराजित भेलीह।
ओ केंद्र सरकारक नरसिम्हा राव आ मनमोहन सिंहक मंत्रिमंडल मे मंत्री रहलाह। विशेष रूप सं ओ तीन बेर कोयला मंत्रालयक जिम्मेदारी निभेलनि — 2004, 2004-05 आ 2006 मे। हाल धरि ओ राज्यसभा सदस्य छलाह।
झारखंडक राजनीतिक इतिहास मे शिबू सोरेनक योगदान अतुलनीय मानल जाइत अछि। दिशोम गुरुजी रूप मे जानल जेबाक संग ओ जनजातीय चेतना आ अधिकारक प्रतीक बनि गेल छलाह। हुनकर निधन सं झारखंड अपन एक प्रभावशाली नेता कें सदा-सदा लेल गमा देलक। राज्य मे शोकक गहिर वातावरण व्याप्त अछि।



