6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

झारखंड मे 800 करोड़ टाकाक जीएसटी घोटाला प्रकरण मे ईडीक छापामारी

रांची।

झारखंड मे 800 करोड़ टाका केर वृहद जीएसटी घोटालाक जांच कए रहल प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) बृहस्पति दिन भोरे सं रांची, सरायकेला आ कोलकाता समेत कतेको ठाम पर एक संग छापामारी केलक। प्राप्त जानकारीक अनुसार ईडीक विशेष टीम झारखंड मे कुल आठ स्थान सभ पर एक संग कार्रवाई केने अछि।

ईडी द्वारा रांचीक पीपी कंपाउंड स्थित कृष्ण अपार्टमेंटक चतुर्थ तल पर सेहो छापा देल गेल। एहि दौरान हवाला कारोबार आ कागजी कंपनीक माध्यम सं भेल आर्थिक लेन-देन सं संबंधित कतेको महत्वपूर्ण दस्तावेज ईडीक हाथ लगल अछि।

ओतहि जमशेदपुर मे स्क्रैप व्यवसाय सं जुड़ल ज्ञानचंद जायसवाल उर्फ बबलू जायसवाल केर ठाम पर ईडीक टीम पहुंचल। ज्ञात हो जे एहि सं पूर्वो ईडी हुनका एहि प्रकरण मे जेल पठा चुकल अछि। ई कार्रवाई एहि प्रकरणक दोसर चरणक रूप मे होइत अछि। जमशेदपुर मे सर्किट हाउस क्षेत्र, बिष्टुपुर, जुगसलाई आ आदित्यपुर समेत आन कतेको स्थान पर छापामारी चलि रहल अछि।

झरिया आ धनबाद मे सेहो दबिश

रांची आ जमशेदपुरक अतिरिक्त ईडीक टीम झरिया आ धनबाद मे सेहो दबिश देलक। रांची सं आयल ईडीक विशेष इकाई झरिया थाना क्षेत्रक चारि नंबर मेन रोड स्थित ‘जगदंबा फर्नीचर’ नामक दुकान तथा धनबादक ‘आपनो घर’ हाउसिंग सोसाइटी मे एक संग छापामारी केलक।

ईडीक ई कार्रवाई व्यवसायी अमित अग्रवाल उर्फ चीनू अग्रवाल केर विरुद्ध आर्थिक अनियमितता आ लगभग 200 करोड़ टाका केर जीएसटी चोरीक गंभीर आरोपक जांचक सिलसिलामे होइत अछि। छापामारीक दौरान ईडी अधिकारी लोकनि वित्तीय दस्तावेज, बैंक लेन-देन सं जुड़ल अभिलेख, संपत्ति संबंधित कागजात तथा कईटा इलेक्ट्रॉनिक उपकरण जप्त केलनि।

पूर्व मे 60 लाख टाका जब्त, चारि अभियुक्त न्यायिक हिरासत मे

एहि घोटाला प्रकरण मे ईडी पूर्व मे चारि व्यक्तिकेँ गिरफ्तार क’ चुकल अछि। गिरफ्तार व्यक्तिसभ मे कोलकाता निवासी कारोबारी शिवकुमार देवड़ा, अमित गुप्ता, मोहित देवड़ा आ जमशेदपुरक जुगसलाई निवासी विक्की भालोटिया सम्मिलित छथि।

सभ अभियुक्तकेँ रिमांड पर ल’ ईडी गहन पूछताछ कएने छल। पूछताछक क्रम मे आरोपित सभक फर्जी कंपनीसभ सं जुड़ल दस बैंक खाता सं कुल 60 लाख टाका जप्त कैल गेल छल। वर्तमान मे चारू अभियुक्त रांची स्थित होटवार केर बिरसा मुंडा केंद्रीय कारा मे न्यायिक हिरासत मे बंद छथि।

हवाला नेटवर्क आ फर्जी जीएसटी बिलिंगक जड़ि खोलि रहल ईडी

सूत्रक अनुसार ईडी पहिनुक पूछताछ मे प्राप्त इनपुटक आधार पर पुनः ई वृहद कार्रवाई कएलक। प्राप्त जानकारी अनुसार रांची, जमशेदपुर, कोलकाता आ मुंबई मे हवाला नेटवर्क आ फर्जी जीएसटी बिलिंग सं जुड़ल जालक परत एकएक क’ खोलाए लागल अछि।

जांच सं ई बात सेहो सामने एल अछि जे कतेको कागजी कंपनिक माध्यम सं इनपुट टैक्स क्रेडिट (आईटीसी) केर अनुचित लाभ उठाओल गेल, जाहि सं सरकारकेँ भारी राजस्वक क्षति भेल।

स्थानीय कारोबारी सभ सेहो जांचक घेरा मे

बताओल जा रहल अछि जे जांच एजेंसी आब ओहि स्थानीय व्यवसायी सभ पर नजर राखने अछि, जिनकर नाम एहि घोटाला मे प्रत्यक्ष वा परोक्ष रूप सं जुड़ल बुझा रहल अछि। रांची आ जमशेदपुरक कतेको कारोबारी पूर्वो मे एहि केस मे गिरफ्तार भ’ चुकल छथि।

बृहस्पति  दिनक छापामारी सं ई स्पष्ट भ’ गेल अछि जे ईडी एहि सम्पूर्ण घोटालाक जड़ि धरि पहुंचबाक उद्देश्य सं हर स्तर पर कार्रवाई क’ रहल अछि। एहन संभावना प्रबल अछि जे आगामी दिन सभ मे आरो व्यक्तिक गिरफ्तारी संभव अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here