बहेड़ी (दरभंगा), समदिया
स्थानीय थाना क्षेत्रक अटही गाम मे शुक्रदिन एक दर्दनाक घटना घटल जखन खेत मे जुताइ क’ रहल ट्रैक्टरक रोटावेटरक चपेट मे आबि क’ एक नाबालिग लड़काक ठामहि मृत्यु भ’ गेल। मृतक अटही गाम निवासी स्वर्गीय रामसागर चौपालक लगभग 15 वर्षीया पुत्र रघुनंदन कुमार चौपाल छल, जे दसवीं कक्षा मे अध्ययनरत छल।
जानकारी अनुसार संजय यादवक ट्रैक्टर सं ड्राइवर अवधेश झा खेत मे जुताइ क’ रहल छल। ओहि ट्रैक्टर पर रघुनंदन सेहो सवार छल। जखन ओ अचानक रोटावेटर पर उतरबा चाहलक तखन ओकर पएर पिछरि गेल आ ओ मशीनक चपेट मे आबि गेल। रोटावेटर सं खराब तरहें चिपेला सं हुनकर मृत्यु ठामहि भ’ गेल।
घटनाक सूचना मिलते डायल 112 पुलिस मौके पर पहुँचल आ रोटावेटर केर भीतर सं मृत शरीर कें बाहर निकाललक। गाम समेत लगपासक क्षेत्र मे ई खबर आगि जेना पसैर गेल। थानाध्यक्ष सुरज कुमार गुप्ता दल-बल सं घटनास्थल पर पहुँचि छानबीन प्रारंभ कएलनि।
मृतक दू भाई आ तीन बहिन मे सब सं छोट छल। हुनकर एकटा भाइ पुना मे मजदूरी करैत अछि। घर पर माए मुन्ना देवी आ बहिन सभक कानि-कानि क’ हाल बेहाल छनि।
परिजन लोकनि ट्रैक्टर मालिक पर गंभीर आरोप लगौने छथि। हुनकर कथन अनुसार ट्रैक्टर मालिक द्वारा बारम्बार मोबाइल पर बजा क’ पूर्वनियोजित ढंग सं हत्या कएल गेल अछि। थानाध्यक्ष सुरज कुमार गुप्ता बतौलनि जे शव कें पोस्टमार्टम लेल डीएमसीएच पठाओल गेल अछि, ट्रैक्टर कें जप्त क’ थाना लाओल गेल अछि। परिजन द्वारा देल गेल आवेदनक आधार पर अगिला कानूनी कार्रवाई कएल जाएत।



