6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

डीएमसीएच गेट पर ससुर जमाय कें मारलक गोली, भड़कल छात्र, पुलिस चलौलक लाठी

दरभंगा, समदिया

मंगलदिन सांझ साढ़े पांच बजे दरभंगा मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल (डीएमसीएच) स्थित बीएससी नर्सिंग छात्रावासक गेट पर एक सनसनीखेज घटना घटित भेल। सुपौल जिलाक पितरा गाम निवासी 25 वर्षीय राहुल कुमार मंडल कें गोली मारि देल गेल, जकरा कारणें ओ घटनास्थले पर ओकर मृत्यु भए गेल। मृतक राहुल डीएमसीएच मे बीएससी नर्सिंगक छात्र छल। प्राप्त सूचना अनुसार, आरोपी प्रेमशंकर झा, जे सहरसा जिलाक बनगांवक रहनिहार अछि, अपन बेटी तनु प्रिया सं राहुलक अंतरजातीय विवाह सं असंतुष्ट छल। एहि कारणें ओ तामसक अवस्था मे डीएमसीएच छात्रावास गेट पर पहुंचि राहुलक छाती पर गोली चला देलक।

घटना घटित होइते छात्र सभ उग्र भए गेल। भगबाक प्रयास मे लागल आरोपी कें पकड़ि छात्र सभ बेतरह पिटलक। माइरपीटक कारणें प्रेमशंकर झा गंभीर रूप सं घायल भए गेल। एकर बाद तनु प्रिया कोनो तरहें भीड़ सं अपन पिता कें बचबैत डीएमसीएचक आपातकालीन वार्ड मे भरती कए देलक।

एकर बाद आक्रोशित छात्र सभ इमरजेंसी वार्ड कें घेरि लेलक आ आरोपीक उपचार मे विघ्न पहुंचाबय लागल। स्थिति विकट होइत देखि प्रशासन द्वारा पुलिस बल कें बजाओल गेल। पुलिसक समझेलाक बादो छात्र सभ नहि मानलक आ प्रतिवादस्वरूप पुलिसक संग धक्का-मुक्की आ पथराव शुरू कए देलक।

स्थिति असामान्य बनि गेल तं पुलिस लाठीचार्जक सहारा लेलक। करीब आधा घंटा तक छात्र आ पुलिसक बीच जोरदार झड़प भेल। अन्ततः आरोपी कें सुरक्षित स्थान पर स्थानांतरित कए स्थिति पर नियंत्रण पाओल गेल। घटना सं समूचा डीएमसीएच परिसर मे अफरातफरीक माहौल बनल रहल। प्रशासन द्वारा स्थिति पर सतत नजरि राखल जा रहल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here