6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

तेजस्वी कहलनि,  मतदाता सूची मे हमर नाम नहि

पटना, समदिया

बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री एवं नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव शनिदिन एक पत्रकार सम्मेलनक दौरान निर्वाचन आयोग पर गम्भीर आरोप लगबैत कहलनि जे हुनकर नाम मतदाता सूची सं हटा देल गेल अछि। मुदा, निर्वाचन आयोग हुनकर आरोपक खंडन करैत स्पष्ट कएलक जे तेजस्वी यादवक नाम मतदाता सूची मे उपलब्ध अछि।

तेजस्वी यादव कहलनि जे हम चुनाव कोना लड़ब, जखन हमर नामे मतदाता सूची मे नहि अछि? ओ अपन एपिक नम्बर आयोगक मोबाइल ऐप पर डालि जांच करबाक दावा कएलनि। कैप्चा भरबाक उपरान्त जे सूची खुजल, ताहि मे हुनकर नाम नहि देखायल। एहि आधार पर ओ आरोप लगौलनि जे दोसर आम मतदाता जकां हुनकर नाम सेहो सूची सं हटा देल गेल।

ओ कहलनि जे आयोग एहि बेर लगभग 65 लाख मतदाता सभक नाम सूची सं हटौलक अछि। तेजस्वी यादव आयोगक कार्यशैली पर प्रश्न उठबैत कहलनि जे एसआइआर प्रणालीक आधार पर नाम हटेनिहार सभक पूरा विवरण सार्वजनिक कएल जाय।

सुल्तानगंज विधानसभा क्षेत्रक संदर्भ दैत ओ कहलनि जे विभिन्न श्रेणी मे लोकक नाम काटल गेल अछि, मुदा कारण नहि बतायल गेल। प्रायः प्रत्येक विधानसभा क्षेत्र सं 20-30 हजार नाम हटाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे 8.3 प्रतिशत मतदाता एहि प्रक्रिया सं प्रभावित भेल छथि।

तेजस्वी यादव निर्वाचन आयोग सं पूछलनि जे 65 लाख नाम हटौनिहार सभ कें कोनो पूर्व सूचना देल गेल छल या नहि। ओ ज्ञानेश गुप्ता पर आरोप लगौलनि जे ओ निर्वाचन आयोगक एक निष्पक्ष पदाधिकारी नहि, बल्कि राजनीतिक पार्टीक प्रतिनिधि जेकां काज कए रहल छथि।

ओ वरिष्ठ सेवानिवृत्त आईएएस अधिकारी व्यास जीक उल्लेख करैत कहलनि जे हुनकर आ हुनकर पत्नीक नाम सेहो सूची सं गायब अछि, जकर पुष्टि स्वयं ओ ट्वीट कएने छथि। तेजस्वी यादव मांग केलनि जे जाहि मतदाताक नाम हटाओल गेल अछि, तिनकर नाम बूथवार प्रकाशित कैल जाय तथा आपत्ति दर्ज करबाक समय सीमा सेहो बढ़ायल जाय।

निर्वाचन आयोगक प्रतिक्रिया

तेजस्वी यादवक आरोप पर निर्वाचन आयोग साफ कहलक जे हुनकर दावा तथ्यहीन अछि। आयोग स्पष्ट कएलक जे पटना जिलाक 181-दीघा विधानसभा क्षेत्रक मतदान केंद्र पर मतदाता रूप मे तेजस्वी यादवक नाम वर्तमान सूची मे विद्यमान अछि। आयोग द्वारा पूर्व मे प्रकाशित मसौदा सूची सेहो एकर पुष्टि करैत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here