9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

दिल्लीक जैतपुर मे देबाल खसला सं आठ गोटे मरल

नई दिल्ली, एजेंसी

दिल्लीक दक्षिण-पूर्वी क्षेत्र जैतपुर स्थित हरि नगर मे एक दर्दनाक घटना सामने आयल अछि। एतय एक पुरान मंदिरक दीवार अचानक भरभरा कए धराशायी भए गेल। दीवारक हिस्सा खसला सं आठ व्यक्ति मलबाक नीचा दबि गेलाह, जाहि मे सं आठो व्यक्तिक मृत्यु भए गेल अछि। मृतक मे एकहि परिवारक चारि सदस्य सम्मिलित छथि। एहि दुर्घटना उपरान्त कुल आठ व्यक्ति कें मलबा सं बाहर निकालल गेल, मुदा सबहक मृत्यु भए गेल छल। घटनास्थल पर देर सांझ धरि खोजबीन चलैत रहल।

स्थानीय लोकक अनुसार, दुर्घटनाक आवाज एतेक तीव्र छल जे लगक घरक लोक दहशत मे आबि गेलाह। दमकल कर्मी मलबा मे फंसल लोक कें निकालबाक आ परिस्थिति कें नियंत्रित करबाक प्रयास मे जुटल रहल। अखन धरि ककरो घायल नहि होयबाक बात सामने नहि आयल अछि, मुदा बचाव कार्य तीव्र गति सं चलाओल गेल।

हरि नगर मे दीवार खसबाक घटना संबंध मे दक्षिण–पूर्वी जिला उप–पुलिस उपायुक्त (अतिरिक्त) ऐश्वर्या शर्मा कहलनि जे एतय एक पुरान मंदिर अछि आ ओकर बगल मे पुरान झुग्गी अछि, जतय कबाड़ी लोक रहैत छथि। राति भरि भेल भारी वर्षाक कारण दीवार खसि गेल। ओहि मे आठ व्यक्ति फंसल छलाह, जिनका उठा कए अस्पताल पठाओल गेल। अस्पताल मे सभ कें मृत घोषित कए देल गेल।

दुर्घटनाक कारण
प्रारंभिक सूचना अनुसार, भवन पुरान छल आ सम्भवतः रख–रखावक अभाव अथवा निर्माण मे त्रुटिक कारण ई दुर्घटना घटल। प्रशासन जांचक आदेश देलक अछि। स्थानीय लोक एहि बात सं आक्रोशित छथि जे एहि प्रकारक घटना रोकबाक लेल पूर्व सं कोनो ठोस डेग नहि उठाओल गेल। दमकल विभाग आ पुलिसक दल स्थल पर स्थिति कें संभालि रहल अछि। आसपासक क्षेत्र कें खाली कराओल जा रहल अछि जाहि सं कोनो आओर संकट नहि उत्पन्न हो। एहि दुर्घटना दिल्ली मे पुरान भवनक सुरक्षा पर पुनः गंभीर प्रश्न ठाढ़ करैत अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here