झारखंड कें दियैब बौद्धिक पहचान
रांची।
मुख्यमंत्री हेमन्त सोरेन मंगलदिन रांची स्थित प्रोजेक्ट भवन मे आयोजित नियुक्ति पत्र वितरण समारोह मे स्पष्ट कहलनि जे “शिक्षा राज्यक मेरुदण्ड अछि आ एहि मे कोनो प्रकारक समझौता स्वीकार्य नहि होयत।” हुनका द्वारा 350 नवचयनित सहायक आचार्य केँ नियुक्ति पत्र सौंपल गेल। एहि मे 137 स्नातक प्रशिक्षित सहायक आचार्य गणित आ विज्ञान विषय मे तथा गोड्डा जिलाक 213 इंटर प्रशिक्षित सहायक आचार्य (कक्षा 1 सं 5) शामिल छलाह।
ई समारोह शिक्षा विभागक ओहि भर्ती प्रक्रिया केर हिस्सा छल, जाहि केर अंतर्गत कुल 4333 अभ्यर्थीक चयन भेल अछि। सरकारक लक्ष्य 30 सितंबर तक शेष अभ्यर्थीसभ केँ सेहो नियुक्ति पत्र सौंपबाक अछि।
अपन संबोधन मे मुख्यमंत्री कहलनि जे ई केवल नौकरी पाबैक अवसर नहि, बल्कि राज्य आ समाज प्रति जिम्मेदारी निभाबैक अवसर अछि। हुनकर कहलनि, “अहाँकेँ 40 सं 50 हजार टाका धरि वेतन भेटत आ ई आम जनताक टैक्स सं देल जायत। एहि लेल ई केवल वेतन लेबाक विषय नहि, बल्कि कर्तव्यनिष्ठ भ’ क’ सेवा करबाक अपेक्षा अछि।”



