पटना, समदिया
राजधानी पटना आ जहानाबाद जिलाक अनेक थाना मे हत्या, लूट, हथियार तस्करी आ संगठित अपराधक मामिला मे वांछित कुख्यात अपराधी रोशन कुमार शर्मा कें बुध दिन सबेरे फुलवारी शरीफ थाना क्षेत्रक कुरकुरी रोड पर पुलिस मुठभेड़ मे गोली लागि गेल। ओ पुलिस अभिरक्षा सं हथियार छीनि कए भागबाक प्रयास कए रहल छल, जाहि क्रममे जवाबी कार्रवाई मे ओकर पैर मे गोली लागि गेल। घायल स्थिति मे ओकरा पीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि जतए इलाज जारी अछि।
बिहारक टॉप 10 फरार अपराधी मे छल शामिल :
रोशन शर्मा, पिता स्वर्गीय संजय शर्मा, मूल रूप सं जहानाबाद जिलाक शकुराबाद स्थित सलेमपुर गामक रहनिहार अछि। ओकर विरुद्ध पटनाक कंकड़बाग, रामकृष्ण नगर, अगमकुआं आ फुलवारी शरीफ सहित अनेक थानामे गंभीर आपराधिक मामिला दर्ज अछि। पुलिस जानकारी अनुसार ओ बिहारक टॉप 10 वांछित अपराधी मे शामिल छल।
हत्या, लूट आ हथियार तस्करी मे सक्रिय रहल :
ओकर आपराधिक इतिहास बहुत भयावह रहल अछि। पटनाक बैरिया जीरो माइल बस स्टैंड पर बस चालक कृपानाथ शर्मा कें चलैत बस मे गोली मारि हत्या, कुम्हार इलाका मे रॉकी नामक युवक पर चाकू सं जानलेवा हमला, फुलवारी पेट्रोल पंप लूट, अवैध निर्माणक रंगदारी वसूली, हथियार तस्करी समेत संगठित आपराधिक घटनामे सक्रियता रहल।
जहानाबाद सं भेल गिरफ्तारी, मिनी गन फैक्ट्रीक खुलासा :
पछिला दिन रामकृष्ण नगर थानाध्यक्ष आशुतोष कुमार केर नेतृत्व मे पुलिस विशेष टीम जहानाबाद मे छापेमारी कए रोशन शर्मा कें गिरफ्तार केने छल। ओहि समय ओकर सहयोगी धीरेंद्र उर्फ कक्कू फरार भए गेल। छापेमारी के क्रम मे एक ठाम सं भारी मात्रा मे हथियार, कारतूस आ हथियार निर्माणक उपकरण जब्त कएल गेल। एक मिनी गन फैक्ट्रीक संचालनक खुलासा सेहो भेल।
फुलवारी मे छापेमारीक दौरान भागबाक प्रयास, मुठभेड़ बनल रणक्षेत्र :
पूछताछक आधार पर बुधदिन सबेरे पुलिस ओकरा लए कए कुरकुरी रोड स्थित ओकर एक संभावित ठेकानापर गेल छल। ओ लगातार पुलिस कें गुमराह करैत ठेकाना बदलबैत रहल। एहि बीच ओ एक पुलिसकर्मी सं हथियार छीनबाक प्रयास करैत भागए लागल। मुदा मुस्तैद पुलिस बल ओकरा पीछा करैत आवश्यक बल प्रयोग कएलक, जइमे ओकर दाहिना पैर गोली सं घायल भेल।
एसएसपी कार्तिकेय शर्मा घटनास्थल पर, क्षेत्र सील :
घटना केर जानकारी भेटिते पटनाक वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक कार्तिकेय शर्मा स्वयं घटनास्थल पर पहुंचलाह आ समूचा ऑपरेशन अपन निगरानी मे लेलन्हि। एफएसएल टीम घटनास्थल पर पहुँचल आ खूनक धब्बा, संघर्षक निशान सहित आवश्यक साक्ष्य जुटेलक। पूरा क्षेत्र कें सील कए देल गेल अछि आ आमजनक आवाजाही पर फिलहाल अस्थायी रोक लगाओल गेल अछि।
धीरेंद्र उर्फ कक्कू एखनहु फरार, पुलिस छापेमारी जारी :
पुलिस सूत्र अनुसार रोशन शर्मा केर गिरफ्तारी सं एक पैघ आपराधिक नेटवर्कक खुलासा संभव अछि। ओकर सहयोगी धीरेंद्र उर्फ कक्कू एखनहु फरार अछि। ओकर संभावित ठेकानापर लगातार छापेमारी कएल जा रहल अछि। रोशन शर्मा पीएमसीएच मे भर्ती अछि जतए ओकर स्थिति स्थिर बताओल जा रहल अछि।
पुलिसक अनुसार ओ फुलवारी शरीफ इलाका मे कक्कू केर ठेकाना देखेबाक बहाना मे लाओल गेल छल, जतए कुरकुरी रोड स्थित सुनसान स्थान पर पेशाबक बहाना बना हथियार छीन कए भागए चाहलक, मुदा पुलिस कार्रवाई मे घायल भए गेल।



