11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

पूर्वी भारतक प्रमुख औद्योगिक आ ट्रांसपोर्ट हब बनत बिहार

केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण बजट-2026 मे देलनि कतेको सनेश

पटना/दिल्ली, समदिया

स्वतंत्र भारत मे पहिल बेर रवि कें प्रस्तुत केंद्रीय बजट मे देशक वित्तमंत्री बिहार कें कतेको सनेश देलनि। एहि सं समुद्री यातायात मे बिहारक भूमिका बढ़ि जायत। केंद्रीय वित्त मंत्री सीतारमण अपन बजट भाषण मे बिहारक राजधानी पटना मे अत्याधुनिक शिप रिपेयर सिस्टम बनेबाक घोषणा केलीह। एहि सं गंगा नदीक रस्ता सं कारोबार मे वृद्धि होयत। एहि बजटक सबसं खास बात पटना मे बनए वाला अत्याधुनिक शिप रिपेयर इकोसिस्टम अछि, जे गंगा नदीक माध्यम सं होमयबला व्यापार कें नव ऊंचाई देत। एकर अतिरिक्त, बिहार सं गुजरएबला हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर आ नव डेडिकेटेड फ्रेट कॉरिडोर (DFC) राज्यक बिजनेस मॉडल कें बदलि देत। एहि पहल सं ने केवल माल ढुलाई सस्ता होयत, बल्कि बिहार पूर्वी भारतक प्रमुख औद्योगिक आ ट्रांसपोर्ट हबक रूप मे मजबूती सं स्थापित होयत।

पटना मे खुजत शिपिंग इंजीनियरिंग मे रोजगारक नव अवसर

पटना आब मात्र प्रशासनिक केंद्र नहि, बल्कि अंतर्देशीय जलमार्गक तकनीकी केंद्र सेहो बनत। एतय शिप रिपेयर सेंटर खुजला सं जहाजक मरम्मति स्थानीय स्तर पर संभव होयत, जाहि सं लॉजिस्टिक्स खर्च घटत। संगहि जलमार्ग क्षेत्र मे युवाक तकनीकी ट्रेनिंग देल जायत, जाहि सं शिपिंग इंजीनियरिंग मे रोजगारक नव अवसर खुजत।

हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर

बजट मे घोषित वाराणसी–सिलीगुड़ी हाई-स्पीड रेल कॉरिडोर बिहारक परिवहन ढांचा कें आधुनिक बनाओत। संगहि डंकुनी सं सूरत धरि नव डेडिकेटेड फ्रेट कॉरिडोर माल ढुलाई कें तेज आ पर्यावरण अनुकूल बनाओत। ई नेटवर्क बिहारक उत्पाद कें राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय बाजार धरि जल्दी पहुंचाबए मे मदति करत।

एक्सप्रेस-वेक नव प्रोजेक्ट

बिहारक सीमावर्ती इलाका लेल ई एक नीक खबरि अछि जे पूर्वी चंपारण मे नेपाल सीमा सं गुजरएबला नव ग्रीनफील्ड एक्सप्रेस-वेक निर्माण शुरू होयत। राष्ट्रीय राजमार्गक लंबित परियोजना कें गति देबाक संग-संग, ई एक्सप्रेस-वे राज्यक ग्रामीण आ शहरी क्षेत्रक बीच आर्थिक दूरी कें कम करबाक काज करत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here