75 लाख महिलाक बैंक खाता मे पठाओल गेल 7,500 करोड़
पटना। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी वर्चुअल माध्यम सं बिहार मे ‘मुख्यमंत्री महिला रोजगार योजना’ केर शुभारंभ कएलनि। एहि योजना अंतर्गत बिहारक 75 लाख महिलाक बैंक खाता मे सीधे 10-10 हजार टाका अर्थात कुल 7,500 करोड़ टाका भेजल गेल। प्रधानमंत्री कहलनि जे आन महिलासभकेँ योजना केर लाभ देबाक लेल अलग-अलग तिथि तय कएल गेल अछि। आबयवला तिथि 3 अक्टूबर निर्धारित अछि आ एहि बाद लगभग प्रत्येक सप्ताह राशि महिलासभक बैंक खाता मे भेजल जायत।
नीतीश कुमारक पूर्ववर्ती सरकार पर हमला
कार्यक्रमक दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पूर्ववर्ती सरकार सभ पर निशाना साधैत कहलनि—“सभ जानैत छथि जे पहिलुक सरकार सभ राज्य मे कोनो काम नहि केलक। हालत खराब छल। मुदा 24 नवम्बर 2005 मे जखन NDA सरकार बनल त’ ओहि दिन सं बिहारक विकास आ कानूनक राज स्थापित करबाक दिशा मे हम सब सक्रिय भ’ गेलहुँ। आब सभ क्षेत्र मे तेजी सं विकास भ’ रहल अछि।”
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महिला सशक्तीकरण लेल अपन सरकारक काज गिनेलनि। हुनकर कहलनि—2006 मे पंचायती राज संस्थान आ 2007 मे नगर निकाय मे महिलाक लेल 50 प्रतिशत आरक्षण देल गेल। 2013 मे पुलिस सेवा मे महिलाक लेल 35 प्रतिशत आरक्षण आ 2016 मे सरकारी नौकरी मे 35 प्रतिशत आरक्षण प्रदान कएल गेल।
ओ कहलनि जे पहिने बिहार मे स्वयं सहायता समूह (SHG) केर संख्या सीमित छल, मुदा आब एकरा ‘जीविका’ केर नाम सं जानल जाइत अछि आ एकर संख्या करीब 11 लाख भ’ गेल अछि। जीविका दीदीक संख्या करीब 1.40 करोड़ अछि। 2024 मे शहरी क्षेत्र मे सेहो स्वयं सहायता समूहक गठन कएल गेल, जे तीव्र गति सं आगू बढ़ि रहल अछि। एहि समूहक संख्या 37 हजार तक पहुँचि गेल अछि आ 3.85 लाख जीविका दीदी एकर हिस्सा बनल छथि।
प्रधानमंत्री आ केंद्र सरकारक प्रशंसा
एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मोदी आ केंद्र सरकारक प्रशंसा सेहो कएलनि। हुनकर कहलनि जे प्रधानमंत्री मोदी बिहार मे बहुत पैघ काम करेलनि। जुलाई 2024 केर बजट मे बिहार लेल विशेष आर्थिक सहायता घोषणा भेल छल, जाहि अंतर्गत सड़क, उद्योग, स्वास्थ्य, पर्यटन आ बाढ़ि राहत लेल भारी राशि देल गेल।
ओ कहलनि जे बिहार मे मखाना बोर्ड, एयरपोर्ट आ पश्चिमी कोसी नहर लेल वित्तीय सहायता जेकाँ पैघ घोषणा सेहो कएल गेल अछि।
महिलासभक प्रति भरोसा
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन संबोधन मे कहलनि—“हमरा विश्वास अछि जे माता-बहिन सभ योजना केर तहत भेटल राशि केँ सदुपयोग करताह, अपन परिवार केँ खुशहाल बनौताह आ राज्य आ देशक विकास मे अपन योगदान देताह।”



