घरे पर भेटत सेवा
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार घोषणा कएलनि
पटना । बिहार मे 80 वर्ष सं बेसी उमेरक बुजुर्ग सभकें एखन जमीन वा फ्लैट निबंधन लेल कार्यालयक चक्कर नहि लगाबए पड़त, बल्कि हुनका घरे पर सरकारी सेवा उपलब्ध कराओल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन एहि व्यवस्थाक घोषणा कएलनि आ संबंधित विभागक अधिकारी सभकें निर्देश देलनि जे एक अप्रैल सं एहि व्यवस्था लागू कएल जाए।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोशल साइट एक्स पर जानकारी साझा करैत लिखलनि जे सात निश्चय-3 केर सातम निश्चय ‘सबका सम्मान-जीवन आसान’ केर मुख्य उद्देश्य राज्यक सभ नागरिकक दैनिक जीवन मे आबए वाला कठिनाइ सभ कम करब आ हुनकर जीवनकें आओर आसान बनाबैक अछि। एहि दिशा मे लगातार महत्वपूर्ण निर्णय लेल जा रहल अछि।
हुनकर कहब छल जे कतेको बेर देखल गेल अछि जे राज्यक वृद्धजन, जिनकर उमेर 80 वर्ष वा ओहि सं बेसी अछि, हुनका जमीन आ फ्लैट निबंधन सं जुड़ल कार्य पूरा करबा मे भारी कठिनाइ भेल अछि। एहना स्थिति मे निबंधन प्रक्रिया सरल बनेबाक लेल कतेको डेग उठाओल गेल अछि।
मुख्यमंत्री कहलनि जे एखन राज्यक ओहि वृद्धजन सभ, जिनकर उमेर 80 वर्ष वा ओहि सं बेसी अछि आ जे जमीन वा फ्लैट निबंधन कराबए चाहैत छथि, हुनका जरूरत पड़ला पर घरे पर जमीन निबंधन सं संबंधित सभ सेवा प्रदान कएल जाएत। मद्य निषेध, उत्पाद आ निबंधन विभाग द्वारा चलंत निबंधन इकाईक माध्यम सं निश्चित समय-सीमा केर भीतर दस्तावेज निबंधन केर सुविधा देल जाएत। आवेदक एहि लेल ऑनलाइन आवेदन कए सकैत छथि।
संबंधित विभाग द्वारा जमीन आ फ्लैट निबंधन केर प्रक्रिया सात कार्य दिवसक भीतर सुनिश्चित कएल जाएत। मुख्यमंत्री ईहो कहलनि जे कतेक बेर जमीन खरीदए वाला व्यक्ति कें संबंधित भूमि केर अद्यतन जानकारी उपलब्ध नहि होइत अछि, जाहि कारण हुनका समस्या होइत अछि। एहि बात कें ध्यान मे रखैत भूमि निबंधन सं पहिने भूमि केर अद्यतन जानकारी क्रेता आ विक्रेताकें उपलब्ध कराबय केर व्यवस्था सेहो कएल जा रहल अछि।
एहि व्यवस्था अंतर्गत आवेदक केर अनुरोध पर आवेदन देला पश्चात निबंधन विभाग द्वारा अंचल कार्यालय सं भूमि केर अद्यतन स्थिति केर जानकारी प्राप्त करैत क्रेताकें उपलब्ध करा देल जाएत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि संबंध मे लोक सभ सं 19 जनवरी धरि सुझाव सेहो मांगलनि अछि।



