भागलपुर, समदिया
बिहारक भागलपुर जिलाक शाहकुंड थाना क्षेत्र मे रविदिन राति एक भीषण दुर्घटना घटल, जतय एकटा डीजे वैन खद्धा मे पलटि गेल। एहि दुर्घटना मे पांच कांवड़ियाक मृत्यु भए गेल, जखन कि कतेको अन्य गम्भीर रूप सं घायल भए गेल छथि। वैन पर कुल 9 लोक सवार छलाह। प्राप्त सूचना अनुसार, डीजे वैनक संतुलन अचानक बिगड़ि गेल आओर ओ खद्धा मे जा कए पलटि गेल। वैनक नीचां दबल पांच लोकक घटनास्थले पर मृत्य भए गेल। दुर्घटना देखि कए किछु सवार कूदि कए अपन जान बचेबा मे सफल रहलाह।
जखन वैन गड्ढा मे पलटल, ओहि समय पांच सवार तुरत कूदि पड़लाह। लेकिन, ओहिमे सं तीन गम्भीर रूप सं घायल भए गेलाह। तत्क्षण सभ कें शाहकुंड सामुदायिक स्वास्थ्य केन्द्र पहुंचाओल गेल, जतय किछु लोकक इलाज जारी अछि। ई वैन सुल्तानगंज सं स्नान क’ ज्येष्ठगौर नाथ जल चढ़ेबा लेल जा रहल छल। दुर्घटना शाहकुंड थाना क्षेत्र स्थित सुल्तानगंज मुख्य मार्ग पर महंत स्थान लग रविदिन राति लगभग सवा बारह बजे घटल। सूचना पाबि पुलिस तत्क्षण घटनास्थल पर पहुंचि कए राहत कार्य शुरू केलक।
श्रावण मासक अंतिम सोमवारी सं ठीक पूर्व रविदिन राति ई दुर्घटना भेल। पुलिस घायल कांवड़ियाकें तुरत अस्पताल पहुंचेलक, जतय इलाजक क्रम मे पांच लोकक मृत्यु भए गेल। घायलक बयान अनुसार, वैन पर छोट डीजे सिस्टम लगाओल गेल छल। सभ कांवड़िया सुल्तानगंज मे स्नान कए ज्येष्ठगौर नाथ मे जल अर्पण करबा लेल जा रहल छलाह। मृत लोकक पहिचान संतोष कुमार, 24 वर्षीय मनोज कुमार, 23 वर्षीय विक्रम कुमार, रवीश कुमार आओर 18 वर्षीय मुन्ना कुमारक रूप मे भेल अछि। पुलिस बतौलक जे वैन एकटा पानि सं भरल खद्धा मे खसि गेल छल, जेकर कारण पांच लोकक मृत्यु भए गेल। अन्य घायलक अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।



