करीब 20 मिनट धरि अपराधी लोक बैंकक अंदर लूटपाट मचौलक
फोटो 907
देवघर। झारखंडक देवघर जिला अंतर्गत मधुपुर बाजार मे सोमदिन दुपहर हथियारबंद अपराधी द्वारा बैंक डकैतीक एक पैघ वारदात अंजाम देल गेल। अपराधी शहरक राजबाड़ी रोड स्थित एचडीएफसी बैंक शाखा पर धावा बाजिकए लाखो रुपैया कैश आ पैघ मात्रा मे गहना लूटि लेलक।
प्रत्यक्षदर्शी लोकनिक अनुसार, दू अपराधी हेलमेट आ बुर्का पहिरिकय बैंक मे प्रवेश केने छल। तत्पश्चात चारि आर अपराधी अंदर घुसि आएल। ओ लोकनि हथियार देखाकय बैंकक कर्मचारी आ ग्राहक सभक ऊपर नियंत्रण कए लेलक। सभक मोबाइल फोन छीन लेल गेल आ विरोध करबाक क्रम मे कर्मचारी आ ग्राहक सभक संग मारपीट सेहो कएल गेल।
अपराधी बैंकक काउंटर आ ग्राहक सभक लग मौजूद नकदी, सोना केर सिक्का आ अन्य कीमती समान बैग मे भरि लेने। जानकारी अनुसार, अपराधी लोकनि बैंकक लॉकर खोलवाक बाद जेवरात सेहो बटोरि लेने। करीब 20 मिनट धरि अपराधी लोक बैंकक अंदर लूटपाट मचौलक। वारदात अंजाम देला उपरान्त ओ बैंकक शटर बाहर सं बंद करि फरार भऽ गेल। जखन धरि लोक कें भनक भेटल, अपराधी घटनास्थल सं निकलि चुकल छल।
घटना केर सूचना भेटिते मधुपुर थाना पुलिस, एसडीपीओ आ इंस्पेक्टर इंचार्ज मौके पर पहुँचल आ छानबीन शुरू केलक। तत्पश्चात देवघर एसपी कुमार सौरभ सेहो बैंक पहुँचलाह। हुनक देखरेख मे पुलिसक विशेष टीम बनाओल गेल अछि, जे आसपासक सीसीटीवी कैमरा फुटेज खंगारि रहल अछि।
पुलिसक अनुसार अपराधी लोकनिक शीघ्र पहचान करि गिरफ्तारी कएल जायत। पुलिस सम्पूर्ण क्षेत्र मे नाकाबंदी कएने अछि आ अपराधी केर संभावित ठाम पर छापेमारी जारी अछि।
बैंक प्रबंधन आ पुलिसक तरफ सं लूटल गेल कुल राशि केर आधिकारिक पुष्टि आबि नहि सकल अछि, मुदा प्रारंभिक अनुमानक अनुसार लूटी गेल रकम आ जेवरातक कुल मूल्य एक करोड़ सं बेसी भए सकैत अछि। ई सनसनीखेज वारदात सं जिले मे सुरक्षा व्यवस्था पर गंभीर प्रश्न उठल अछि।



