मुजफ्फरपुर, समदिया
मुजफ्फरपुर जिला अन्तर्गत मीनापुर प्रखंडक पानापुर थाना क्षेत्र मे रविक भोर एक सनसनीखेज घटना उजागर भेल। बहादुरपुर मठक महंथ रामबाबू सिंहक नृशंस हत्या कए देल गेल आ हुनकर शव बूढ़ी गंडक नदीक कात कादो मे पाओल गेल। ई दृश्य देखिकए समूचा इलाका स्तब्ध रहि गेल। स्थानीय लोक जानकारी देलनि जे महंथ शनिदिन राति सं लापता छलाह। रविक भोर ग्रामीण शौच लेल नदी कात गेल छलाह, जतए एक शव देखलनि। नजदीक जा कए लोक शवक पहिचान महंथ रामबाबू सिंहक रूप मे केलनि। शव मठ सं लगभग तीन किलोमीटर दूर फेंकल गेल छल। घटना स्थल पर भारी भीड़ जुटि गेल। मृतकक परिजन विलाप करैत छथि। महंथ अपन एक सेवक संग मठ मे निवास करैत छलाह आ शनिदिन रात्रि भोजनक उपरान्त विश्राम लेल गेल छलाह। सूचना पर पानापुर ओपी पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल, शव कें कब्जा मे लए पोस्टमार्टम लेल पठाओल गेल। पुलिस हत्याक कारणक सब कोण सं जांच कए रहल अछि। घटना सं मठ आ ग्रामीण क्षेत्र मे रोष व्याप्त अछि। लोकनि त्वरित निष्पक्ष जांच आ दोषीक गिरफ्तारीक मांग कए रहल छथि।



