6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

मिथिलाक गाम-गाम मे घूमि रहल अछि रथ, कएल जा रहल अछि आह्वान, जय जय सियाराम, चलू पुनौराधाम

सीतामढ़ी, समदिया

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक बाद आब केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह 7 अगस्त कें बिहार आबि रहल छथि। ओ राति 9:30 बजे पटना एयरपोर्ट पर उतरता आ पटने मे रात्रि विश्राम करता। एकर बाद 8 अगस्तक प्रातःकालीन समय मे ओ सीतामढ़ी जिलाक पुनौराधाम पहुंचताह, जतय ओ भव्‍य जानकी मंदिर निर्माणक भूमिपूजन आ शिलान्यास करता।

पुनौराधाम मे प्रस्तावित ई मां जानकी मंदिर धार्मिक गौरव आ सांस्कृतिक भव्यताक प्रतीक रूप मे निर्माण होयत। एहि मंदिरक वास्तुशिल्प अयोध्याक राम मंदिरक प्रमुख शिल्पकार चंद्रकांत सोमपुरा द्वारा तैयार कएल गेल अछि। प्रस्तावित मंदिरक ऊंचाई 156 फीट होयत, जे अयोध्याक राम मंदिर (161 फीट) सं मात्र 5 फीट नीचां अछि।

36 मास मे निर्माण पूरा होयबाक अछि लक्ष्य

मंदिर निर्माणक अनुमानित व्यय 882 करोड़ सं बेसी बताओल गेल अछि आ एकरा 36 मासक भीतर पूर्ण करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। एहि परियोजनाक विकास एक अंतरराष्ट्रीय स्तरक धार्मिक तीर्थस्थल रूपे होयत, जाहि मे धर्मशाला, धार्मिक संग्रहालय, तीर्थयात्रीक लेल सुविधासभ आ पर्यटन प्रोत्साहन हेतु अनेको संरचनाक समावेश होयत।

भव्य आयोजनक तैयारी जोर सं

एहि ऐतिहासिक शिलान्यास समारोहक दृष्टि सं प्रशासनिक तैयारी जोर सं भए रहल अछि। बिहारक मुख्य सचिव अमृतलाल मीणा आ डीजीपी विनय कुमार पुनौराधाम पहुंचि स्थलक निरीक्षण केलनि। ओ भूमिपूजन स्थल, जनसभा स्थल, मंदिर परिसर, हेलीपैड, यातायात मार्ग आ गाड़ी-पड़ाव क्षेत्रक गहन समीक्षा केलनि आ संबंधित पदाधिकारी सभ कें कार्यक गुणवत्ता आ समयसीमा सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। डीजीपी सुरक्षा प्रबंधन, भीड़ नियंत्रण, मार्ग-निर्धारण, यातायात प्रबंधन, पार्किंग आ ध्वनि व्यवस्था संबंधी विषय पर विशेष सतर्कता बरतबाक निर्देश देलनि।

सीतामढ़ी जिलाधिकारी ऋची पाण्डेय कहलनि जे आयोजन जिलाक लेल गौरवक विषय अछि, एकरा सम्पूर्ण अनुशासन गरिमाक संग सम्पन्न कराओल जाएत।

एहि आयोजनक संदर्भमे भाजपा कार्यकर्ता समस्त क्षेत्रमे सक्रिय भए चुकल छथि। ओ जय-जय सीताराम, चलू पुनौराधाम  केर जयघोषक संग लोक लोकक घर जाइत छथि, अक्षत (चाउर) वितरित करैत लोक कें समारोह मे अयबाक आमंत्रण दए रहल छथि। संपूर्ण मिथिला मे धार्मिक उत्साह अपन शिखर पर अछि, आ हजारो श्रद्धालुक एहि शिलान्यास समारोहमे सहभागिता करबाक संभावना अछि।

एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, केंद्रीय आ राज्य सरकारक अनेक मंत्रीगण, संत-महात्मा तथा अन्य विशिष्ट अतिथि सभक उपस्थिति अपेक्षित अछि। एकरा बिहारक एक ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक दृष्टिकोण सं अत्यंत महत्वपूर्ण आयोजन मानल जा रहल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here