बोकारो।
मिथिला सांस्कृतिक परिषद्क इकाई मिथिला महिला समितिक सावन मिलन समारोह काल्हि सेक्टर 4 ई स्थित मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूल के विद्यापति सभागार मे भेल। एहि अवसर पर स्त्रीगण गीत-संगीतक संग विभिन्न प्रतियोगिता मे उत्साहपूर्वक हिस्सा लेलनि। सीया सुंदरी प्रतियोगिता मे बबीता झा के प्रथम स्थान, रुचि प्रेरणा के द्वितीय व बंदना झा के तृतीय स्थान प्राप्त भेलनि। डाला सजाओ प्रतियोगिता मे विनिता प्रथम, अपर्णा झा द्वितीय व मीरा राय तृतीय स्थान पर रहलीह। बेस्ट पर्सनालिटी ऋतु मिश्रा, बेस्ट मेहंदी अलका झा व बेस्ट सांग के पुरस्कार पूनम झा के भेटलनि। समितिक अध्यक्ष पूनम मिश्रा व सचिव आभा झा विजेतासभकें पुरस्कृत कयलनि। एहि अवसर पर शीला मिश्रा, अमिता झा, किरण मिश्रा, डा मंजू झा, सीमा झा, नंदा झा, बीनू चौधरी, कंचन झा, रुबी ठाकुर, अलका झा, पद्मा चौधरी, लीला झा, आशा पाठक, विनीता राय, मीरा मिश्रा, रंजना भगत, इंदिरा झा आदि उपस्थित छलीह।



